9 महज उ हमरा कहल्कै, “हमरा आराधना नै कर। हम त तोहर आ अगमबानी बोलैबला तोहर भाइ-भैया आ यि किताबके बचन पालन करैबलासब जखा परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर!”
तब हम ओकरा आराधना करैले ठेङहुनिया देलियै महज उ हमरा कहल्कै, “तु एहेन नै कर। हम त तोहर आ तोहर भाइ-भैयासबसङे येसुके गबाही दैबला परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर। कथिलेत जे कोइ परभु येसु खिरिस्टके गबाही दैछै ओकरा परमेस्वरसे अगमबक्तासबके हौसला दैछै।”
उ बरका अबाजमे कहल्कै, “परमेस्वरके डर मान आ ओकर महिमा कर, कथिलेत ओकर नियाय करैबला समय आइबगेल छै। स्वरग, पिरथिबी, समुन्दर आ पानीके भवसब बनाबैबला परमेस्वरके आराधना कर।”
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
उसब गित गाबैतरहैत बेरमे सबदिन जिबित आ सिंहासनमे बिराजमान रहैबलाके अगा उ चौबिसटा धरमगुरुसब गोरलागल्कै आ आपन-आपन मुकुट ओकर सिंहासनके अगा राइखके अनङ कहल्कै,
तब उ हमरा एहैन कहल्कै, “यि किताबके अगमबानीसब घोसाइरके नै राख, कथिलेत यि सब पुरा हैबला समय नजदिक चैलएल छै।
हे परभु, अहाँके डर के नै मानैछै? आ अहाँके नामके महिमा के नै करैछै? कथिलेकी अहाँ मातरे पबितर चियै। सब जातीके लोकसब आइबके अहाँके अगा आराधना करतै, कथिलेत अहाँके धारमिक कामसब परकट भेलछै।”
उ बिपतसे बचलहा लोकसब आपन हाथके कामसबसे पस्चाताप नै करल्कै। उसब भुत-परेतसबके, देखैले नै सकैबला, सुनैले नै सकैबला आ चलै-फिरै नै सकैबला सोना, चानी, काँस, पथल आ काठके मुरतीसबके पुजैलै नै छोरल्कै।
हम युहन्ना, यि किताबके अगमबानीके बचन सुनैबलासबके हम चेताबनी दैचियौ कि, यदि जे कोइ अइमे थपैछै त ओकरा परमेस्वर यि किताबमे लिखल बिपतसब थैपदेतौ।
झुकके हमर टाङमे गोरलागबै त यि सबचिज अहाँके भ्याजेतै।”
“तु हमरा ठेङहुनिया द्याके गोरलागबिही त, यि सबचिज तोरा द्यादेबौ।”
यि किताबमे भेल बातसब येसु खिरिस्ट परकट करने छै। परमेस्वर आपन सेबकसबके जल्दीए हैबला घटनासबके बारेमे बुझैले सके कैहके येसुके परकट करल्कै। येसु खिरिस्ट यि बात कहैके लेल एकटा स्वरगदुतके पठाके आपन सेबक युहन्नाके परकट करल्कै।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। धैनके चियै उ, जे यि किताबमे लिखल अगमबानीके बचन पालन करैछै।”