15 महज कुतासब जखा खराब लोकसब, जादु-टोना करैबलासब, बेबिचारीसब, हतियारासब, मुरती पुजा करैबलासब, झुठ मन पराइबला आ तै अनुसार जिबन बिताइबलासब सहरसे बाहरे रहतै।
महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”
कुतासब जखा झगरा करैबलासबसे, अधलाह काम करैबलासबसे आ खतना करैले परतौ कहैबलासबसे होसियार रह।
महज असुध चिज, घिरनित काम करैबला आ झुठ बोलैबलासब उ सहरके भितर जाइले नै पाबतै। थुमाके जिबनके किताबमे नाम लिखलहासब मातरे ओते जाइले पाबतै।
एह्या बातसबके कारन परमेस्वरके करोध ओकर आग्या नै मानैबलासबके उपर परैछै।
आबसे तोहरमे चिरखाके इजोत कहियो नै चमकतौ आ तोहरमे बर-कनियाके सोर कहियो सुनैले नै पाबतै। कथिलेत तोहर बेपारीसब सन्सारके धनिक-धनिक लोकसब छेलै आ तोहर जादु-टोनासे सब जातिके लोकसब ठगलगेल छेलै!”
अहै बातसे लोकसब ओकरा मानैत रहै, कथिलेत बहौत दिन पहिनेसे उ आपन जादुगरिसे लोकसबके आस्चरज करने रहै।
महज स्वरगके राजमे हैबला इजराएलीसब बाहर अन्हारमे फेकल जेतै, जते लोकसब कानैछै आ दात किटकिटाबैछै।”
तोरासबमेसे कोइ परमानित करेसकैचिही कि हम पापके दोसी चियै? जब हम सत बाइजरहलचियै त कथिले हमरा बिस्बास नै करैचिही?
“पबितर चिज कुतासबके नै दहै, नै त घुइमके तोरे धरतौ आ आपन हिरा-मोती सुगरसबके अगा नै फेक, नै त उसब आपन तरबासे ओइसबके मिसैर देतौ।
अतबे नै बेबस्था त बेबिचार करैबलासबके लेल, समलिङगी सबके लेल, अपहरन करैबलासबके लेल, झुठ बोलैबला, झुठ किरिया खाइबलासबके लेल आ सत सिदान्तके बिरोधमे हैबला औरो बहुतो कामसबके बिरोधमे बनलछै।