10 तब उ हमरा एहैन कहल्कै, “यि किताबके अगमबानीसब घोसाइरके नै राख, कथिलेत यि सब पुरा हैबला समय नजदिक चैलएल छै।
उ धैनके चियै, जे अगमबानीके यि बचनसब जोरसे अबाज निकालके परहैछै, सुनैछै आ ओइमे लिखल बातके पालन करैछै, कथिलेकी यि बात पुरा हैबला समय लगचियागेलछै।
सब चिजके अन्त हैके समय चैल एलछै। ओहैसे तुसब आपन मनके सुध आ आपनेके बसमे राख ताकी तुसब असलसे परथना करे सक।
जब सात चोटीके मेघ गरजलै त हम लिखैले लागल छेलियै, महज स्वरगसे एहेन आबाज हम सुनलियै, “सात बेर मेघ गरजलके आबाज नै लिख, महज यि बात मनेमे घोसारके राख।”
जे बात हम तोरासबके अन्हारमे कहैचियौ, से बात तुसब इजोतमे सबके कैहदहै आ जे बात हम तोरासबके कानमे कहनेचियौ से बात घरके छतसे परचार कर।
रात बितगेलै आ दिन नजदिक आइबगेल छै। तैल्याके अपनासब अन्हारमे करैबला खराब काम छोइरके इजोतमे करैबला असल काम करैले तैयार रह।
“हम येसु, तोरासबलग मन्डलीके लेल यि गबाही दैले आपन स्वरगदुतके पठाइने चियौ। हम्ही दाउद रजाके कुल, सन्तान आ अनगुतके चम्कैबला तरा चियौ।”
सिंहासनमे बिराजमान भेलके दहिना हाथमे हम कागतके एकटा मुठा लपेटल देखलियै। उ कागतके मुठा भितर आ बाहर दुनुकात लिखल रहै आ ओइमे सातटा लाहट लगाके बन्द करने रहै।
महज तोरासबके कोइयो नै कोनो परकारसे धोखा देबे। कथिलेत परमेस्वरके बिरोधमे बहौत बरका बिरोध नै हेबे तलिक आ नास हैबला बेबस्था भङ करैबला लोक नै आबैतलिक परभुके दिन नै एतै।
यि बातके गबाही दैबला कहैछै, “साँचोके हम जल्दिए आइबरहल चियौ।” आमेन। आबु, हे परभु येसु!
अपनासब कतहेक महत्व दैबला समयमे एलचियै से बात बुइझके यि सब बातमे धियान दैलेपरतै। आब अपनासबके निनसे जागैके समय एलछै कथिलेत बिस्बास करल पहिन्का दिनसे बेसी अखुन मुक्ती पाबैबला समय नजदिक एलछै।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। धैनके चियै उ, जे यि किताबमे लिखल अगमबानीके बचन पालन करैछै।”
महज उ हमरा कहल्कै, “हमरा आराधना नै कर। हम त तोहर आ अगमबानी बोलैबला तोहर भाइ-भैया आ यि किताबके बचन पालन करैबलासब जखा परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर!”
हम युहन्ना, यि किताबके अगमबानीके बचन सुनैबलासबके हम चेताबनी दैचियौ कि, यदि जे कोइ अइमे थपैछै त ओकरा परमेस्वर यि किताबमे लिखल बिपतसब थैपदेतौ।