परमपरभु कहैछै, ‘आबैबला दिनमे हम इजराएलके लोकसबसङे यि करार बान्हबै। तोरासबके मनमे हम आपन बेबस्था राइखदेबौ, तोरासबके हिरदयमे उ लिखदेबौ। हम तोरासबके परमेस्वर हेबौ आ उसब हमर लोक हेतै।’
महज उसब त ओहौसे सुन्दर, अरथात एकटा स्वरगके देसके इक्छा करने छेलै। अहैलेल परमेस्वर “हम ओइसबके परमेस्वर हेबै” कहैले नै लजाइछै, कथिलेकी ओइसबके लेल एकटा सहर तयार करने छै।
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।