3 हमरा थाहछै, तुसब धिरज कैरके सहन करनेचिही आ हमर नाउके खातिर कस्ट पाबियोके हमरा नै त्यागने चिही।
परमेस्वरके इक्छा पुरा करनाइ आ ओकर परतिग्या करल बात पाबैके लेल तोरासबके अस्थिर रहैये परतौ
अहैलेल अतहेक बरका साक्छीके भिर अपनासबके चारुदिसन भेलाके कारनसे सब परकारके बाधा आ असान तरिकासे ओझराइबला पापसबके हटाके धिरजसाथ दौरैले परतै।
भलाइ करैले नै थाक, कथिलेत अइमे लागल रहबिही त, ठिक समयमे तकर कटनी करबिही,
परमेस्वरके महिमीत सक्ती तोरासबके बलगर बनाबे कैहके हमरासबके परथना छै, तब मातरे तुसब अस्थिर भ्याके सब चिज आनन्दसे सहन करैले सकबिही।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
परेम सब बात सहैछै आ सब बातमे बिस्बास करैछै, सब बातमे आसा राखैछै आ सब बातमे अस्थिर रहैछै।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
तब अबराहम धिरज कैरके असियेलै आ परमेस्वरके परतिग्या करल आसिस पाबल्कै।
तुसब कोढिया नै बन, महज एहैन लोक जखा बन, जे बिस्बास आ धिरजसे परतिग्या करल चिज पाबैछै।
तुसब परमेस्वरके लोकसबके सेबा कैरते परमेस्वर परती आपन परेम देखाइनेचिही आ अखुनो अहिनङ सेबा करैत आइबरहलचिही। परमेस्वर अनियाय नै करैछै। तोरासबके करल यि सेबा आ परेमके उ कहियो नै बिसरतै।
ओहै कारनसे हमसब एकदम मेहनत करैचियै आ हरदम सङघरसमे लागल रहैचियै। कथिलेकी अपनासबके आसा जिबित परमेस्वरमे छै। परमेस्वर सब मानब जातीके आ खास कैरके बिस्बासीके मुक्तीदाता चियै।
देख हमर भाइसब, भलाइके काम करैले कहियो नै थाक।
ओहैसे हमसब कहियो हरेस नै खाइचियै। अपनासबके सारिरीक बल घटैत ज्यारहलछै, तैयो अपनासबके भितरी आत्मिक बल दिन-दिने लया हैत ज्यारहलछै।
परमेस्वर दयालु भेलाके कारनसे यि सेबाके काम हमरासबके देनेछै। ओहै खातिर हमसब हरेस नै खाइचियै।
आपन आसामे आनन्द कर, दुख-कस्टमे धिरज कर आ निरन्तर परथना करैतरह।
यदि अपनासब नै देखलहा चिजके आसा करैचियै त, धिरजसे अपनासब ओहै चिजके लेल असियाल रहैचियै।
जे लोक आपन कुरूस बोइकके हमर पछा नै लाग्तै त, उ हमर चेला हेबे नै सक्तै।
हम युहन्ना, खिरिस्टमे तोरासबके भैया चियौ। येसुमे बिस्बास करलाके कारन हम तोरासबसङे धिरज होके सहने चियै, जे दुख ओकर राजमे हैबलासबमे सेहो आबैछै। परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके करल सतके बारेमे परचार करलाके कारन हमरा पत्मोस टपुमे कैद कैरके राखने छेलै।
ग्यानमे आत्मसंयम, आत्मसंयममे धिरज, धिरजमे भक्ति,
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।
कि उसब खिरिस्टके सेबक चियै? हम बताह लोक जखा बोलैचियै, महज हम ओकरासबसे औरो असल सेबक चियै। ओकरासबसे त हम औरो बहौत मेहनत करनेचियै। कतहेक बेर त हम जहलमे परलियै, बहुत बेर कोर्रासे पिटाइ खेलियै आ बहुतो बेर कालके मुहसे बचल चियै।
ओहैसे हमसब चाहे देहमे या चाहे देहसे अलग रैहके, ओकरा खुसी बनाबैके हमरासबके लक्छ चियै।
जे लोकसब निरन्तर भलाइके काम कैरके आदर, इज्जत आ अनन्त जिबनके खोजी करैछै, ओइसबके परमेस्वर अनन्त जिबन देतै।
तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,
महज हलगर माटीमे परैबला उसब चियै, जे कोइ परमेस्वरके बचन सुनैछै आ आग्याकारी भ्याके मनेमे राखैछै आ दुख सहियोके बहौतरा फल फराइछै।”
ओहैलेल अपनोसब सहरसे बाहर येसु लग चल आ ओकरे जखा अपनोसब अपमान सह।
असलसे मन्डलीके देख-भाल करैबला अगुवासबके दोबर आदरके योग्य हैछै आ बिसेस कैरके जे अगुवासब बचन परचार आ सिखाबैबला काममे मेहनत करैछै।
हमसब बिना टकाके ककरो खाइबला चिज नै खेलियै। बल्की दिन-रात दुख सहैत आ पसेना चुबाइत मेहनत करलियै ताकि तोरासबमेसे ककरो उपर भार नै परे।
तोरासबके हिरदय परमेस्वरके परेमके बुझैले आ खिरिस्टके जखा सहैबला सक्ती परभु देबे।
भाइसब, हमरासबके कस्ट आ मेहनत तोरासबके थाहे छौ। तुसब परमेस्वरके सुसमाचार सुनाइबखत ककरो उपर भार नै परौक कैहके हमसब आपन खर्च-बर्च करैले दिन-रात खैटके काम करलियै।
हमर बिस्बास योग्य सुजुगे, हम तोरा बिन्ती करैचियौ, कि अइ जनिसबके मदत कर, कथिलेकी यिसब हमर सङे-सङे सुसमाचारके काममे क्लेमेससङे आ हमर औरो सहकरमीसङे मेहनत करल्कै, जकर नाम जिबनके किताबमे लिखलछै।
जिबन दैबला बचनके पकैरके राख। ओनङ करबिही त हमर करल मेहनत आ परिसरम बेरथ नै भेलै कैहके खिरिस्टके दिनमे हमरा गर्भ करैके मौका भेटतै।
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।
हमसब सिमा नाइङहके दोसरके मेहनतमे घमन्ड नै करैचियै, महज हमरासबके आसा यि छै कि तोरासबके बिस्बास बढते जाइबखत तोरासबके बिचमे हमरासबके कामके सिमा औरो बेसिसे फैलते जाए।
हमसब पिटाइ खेने चियै, जहलमे परल चियै, हुलदङ्गामे परलचियै। एकदमसे मेहनत करैचियै, सुतैयोले नै पाबनेचियै आ भुखे पियासेमे परल चियै।
परभुके लेल एकदमसे मेहनत करैबाली बहिनसब तुरुफेना आ तरोफोसाके हमर गोरलगी सुन्यादहै। हमर पिरिय बहिन परसीसके सेहो गोरलगी सुन्यादहै कथिलेत उ परभुके काम करा मेहनतसे करैछै।
कथिलेत तोरासबके आपन धिरजके कारन जिबन मिल्तौ।”
जब सिपाहीसब येसुके रस्तामे लजाइछेलै तब उसब गामसे आइबरहल कुरेनी निबासी सिमोन नामके लोकसे भेट भेलै, जे अलेक्जेन्डर आ रुफसके बाबु छेलै। सिपाहीसब जबरजस्ती ओकरा पकैरके येसुके कुरूस बोकैले लगाइल्कै।
हे हमर भाइसब तोरासबके हमसब आगरह करैचियौ कि जतहेक लोकसब तोरासबके बिचमे परभुके काम दिनरात एक कैरके मेहनत करैबला आ सर-सल्लाह दैबला अगुवासब चियौ, ओइसबके आदर कर।
तुसब एहेन लोकसबके आ ओइसबसङे सेबा आ मेहनत करैबलासबके अधिनमे रह कैहके आगरह करैचियौ।
तब सिमोन येसुके कहल्कै, महज “गुरु जी, हमरासब रातभर जालसब फेकलियै महज एकोटा माछ नै परलै। तैयो अहाँ कहैचियै त हम जाल फेकैचियै।”