2 तोहर करल मेहनतके काम आ तोहर धिरज हमरा थाहछै। तु दुस्ट लोकसबके सहन करैले नै सकैचिही कैहके हमरा सेहो थाहछै। परेरित नै चियै तैयो आपनके परेरित कहैबलासबके तु जाँच कैरके झुठ साँच पता लगाइनेचिही सेहो थाहछै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
महज सब बातके जाँच कर आ जे चिज असल छै ओइके पकरने रह।
तोहर काम हमरा थाहछै। देख, हम तोहर अगा केबार खोलल छोरदेने चियौ, जकरा कोइ नै बन्द करैले सकैछै। तोरासङे कनहिक सक्तीछै कैहके हमरा थाहछै, तैयो तु हमर बचन पालन करनेचिही आ हमर नाउके इन्कार नै करनेचिही।
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।
बास्तममे दोसर सुसमाचार नै छै, महज कोइ-कोइ एहेन छै, जे तोरासबके अलमलमे पाइरके खिरिस्टके सुसमाचारके बिगारैले चाहैछै।
“सारडिसके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि बात लिख: ‘जरकसङे सातटा तरा आ परमेस्वरके सातटा आत्माछै, उ अनङ कहैछै। तोहर काम हमरा थाहछै, तुसब आत्मामे जिबित चिही कैहके नाम त चललछौ, महज बास्तममे तुसब आत्मामे कमजोर भ्याके मरल चिही।
तुसब परमेस्वरके लोकसबके सेबा कैरते परमेस्वर परती आपन परेम देखाइनेचिही आ अखुनो अहिनङ सेबा करैत आइबरहलचिही। परमेस्वर अनियाय नै करैछै। तोरासबके करल यि सेबा आ परेमके उ कहियो नै बिसरतै।
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
हमरा तोहर कस्ट आ तोहर गरिबी थाहछै। महज बास्तममे तु धनिक चिही। हम ओकरासबके चिन्हैचियै, जे आपनके यहुदी त चियै कहैछै, महज बास्तममे नै चियै। उसब तोहर बिरोध करल निन्दा हम जानैचियै। उसब त सैतानके लोकसब चियै।
महज तोरासबमे एकटा असल गुन यि छौ कि हमरे जखा तुहुसब निकोलाइटसके रस्तामे चलैबलासबके कामके घिरना करैचिही।
तोरासबके काम हमरा थाहछै। तुसब नै त जुर चिही नै त गरम चिही। कि त तुसब जुर कि त गरम रहतिही त असल हेतियै।
तखैन हम तोरासबके कहबौ, ‘हम तोरासबके चिन्हबो नै करैचियौ। ए दुस्ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो।’
यि बात फिलिपके मन जाचैके लेल कहने छेलै, कथिलेत येसु जे करैले ज्यारहलछेलै, से आपनेसे जानैछेलै।
अहैलेल तु कतहेक गिरल चिही, से याद कर। पस्चाताप कर आ पहिनेके करल जखा परेम कर। यदि तुसब पस्चाताप नै करबिही त, हम आइबके तोरासबके डैठ उ जगहसे हटादेबौ।