16 ओहै खातिर पापसे पस्चाताप कर, नै त हम जल्दिए तोरासबलग एबौ आ हमर मुहसे निकलल तलबारसे उ दुस्ट काम करैबलासबसङे लराइ करबौ।
उ ब्यबस्था भङ करैबला लोक परकट हेतै। जकरा परभु येसु आपन मुहके एक साँसमे नास करतै। परभु येसुके आपन आगमनके चमकके तेजसे ओकरा नास करतै।
ओकर दहिना हाथसे सातटा तरा पकरने रहलै आ ओकर मुहसे चोखगर दुधारके तलबार निकलल छेलै। ओकर चेहरा दुपहरके सुरुजके रौद जखा चम्कैत छेलै।
अहैलेल तु कतहेक गिरल चिही, से याद कर। पस्चाताप कर आ पहिनेके करल जखा परेम कर। यदि तुसब पस्चाताप नै करबिही त, हम आइबके तोरासबके डैठ उ जगहसे हटादेबौ।
सिर रक्छा करैबला मुक्तीके टोपी लगा आ पबितर आत्माके तलबार ले, जे परमेस्वरके बचन चियै।
बाकी लोकसब घोरामे सबार हैबलाके मुहसे निकलल तलबारसे मारलगेलै आ अकासके चिरै-चुरगुनसब ओइसबके मासु अग्हा-अग्हाके खेल्कै।
जाती-जातीके लोकसबके नास करैले ओकर मुहसे धारबला तलबार निकलल छेलै। उ ओइसबके लोहाके डन्टासे सासन करतै आ कोल्हुमे अङगुरके रस निकालल जखा सरबसक्तिमान परमेस्वरके करोध ओइसबके गुन्डीमिसान करतै।
“परगामममे भेल मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, जकरसङे दुइ दिसन धार भेल तलबार छै, उ अनङ कहैछै।
जकरा हम परेम करैचियै, तकरा डाटै चियै आ सजाय द्याके सुधारैचियै। साच्चेके पाप करैले छोर आ हमरलग या।
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। धैनके चियै उ, जे यि किताबमे लिखल अगमबानीके बचन पालन करैछै।”
लोकसब सुरुजके टहटह रौदसे डहलै आ यि दुख-कस्टसे उसब परमेस्वरके नामके धिक्कारल्कै महज उसब आपन पापसे पस्चताप करैले आ ओकरा महिमा दैले इन्कार करल्कै।
यि बातके गबाही दैबला कहैछै, “साँचोके हम जल्दिए आइबरहल चियौ।” आमेन। आबु, हे परभु येसु!