7 हमसब आनन्द मना आ खुसी हो! ओकर जयजयकार कर! कथिलेत थुमाके बियाहके दिन चैलएल छै आ ओकर कनिया आपनेके तैयार करने छै!
तब उ सात अन्तिम बिपतीसे भरल सातटा बाटी बोकैबला सातटा स्वरगदुतमेसे एक गोरे हमरा आइबके कहल्कै, “अते या, हम तोरा कनिया देखेबौ, जे थुमाके घरबाली चियै।”
तब हम परमेस्वरसे बरके लेल कनिया जखा सिङगार-पटार करल, अरथात पबितर सहर, लया यरुसलेम, स्वरगसे निचा आबैत देखलियै।
परमेस्वर तोरासबके करल वास्ता जखा हम्हु तोरासबके वास्ता करैचियौ, कथिलेकी हम त एक मातरे बर खिरिस्टसङे तोरासबके बियाह कैरदैके परतिग्या करनेचियौ। ओहैसे तोरासबके ओकर पबितर कुमाइर कनियाके रुपमे कनियादान करैके बिचार करनेचियौ।
“स्वरगके राज एकटा एहेन रजा सङे तुलना करेसकैचियै जे आपन बेटाके बियाह उत्सबमे भोज करल्कै।
तब स्वरगदुत हमरा अनङ कहल्कै, “यि लिख, उसब धैनके चियै, जेसब थुमाके बियाहके नौता पाबल्कै।” उ हमरा फेनसे कहल्कै, “एह्या परमेस्वरके सत बचनसब चियै।”
यि बहौत बरका रहसके बात चियै। हम एह्या बात खिरिस्ट आ मन्डलीके समबन्धमे बोलैचियै।
जकरसङे कनिया छै वह्या बर चियै। बरसङे ठार हैबला बरेके अबाज सुइनके बहौत खुसी हैछै। अहैलेल हमर यि खुसी आब पुरा भेलछै।
कथिलेत घरबला घरबालीके सिर चियै, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके सिर चियै, जे मन्डली ओकर देह आ उ स्वयम मन्डलीके मुक्ती दैबला चियै।
तुसब ओइ नोकरसब जखा हो। मालिक बियाह भोजसे आइबके केबार ढकढकाइते मातर खोइल दैछै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
महज जब योसेफ एह्या बातके बिचार करतै रहै, तब सपनामे परमपरभुके स्वरगदुत एलै आ ओकरा अनङ कहल्कै, “हौ दाउदके खानदानके योसेफ, तु मरियमके आपन घरबालीके रुपमे अपनाबैले नै डरा, कथिलेत जे ओकर पेटमे छौ, उ पबितर आत्मासे चियौ।
तखुन्ते एकटा बरका भुमकौन गेलै आ सहरके दस भाग खैसपरलै। उ भुमकौनसे सात हजार लोक मरलै। बाकी बचलहासब डरसे स्वरगके परमेस्वरके महिमा करल्कै।