11 तकरबाद हम स्वरग उघरल देखलियै आ ओते एकटा उजर घोरा छेलै। ओइमे सबार हैबला “बिस्बासयोग्य” आ “सत” कहेतै। उ ठिकसे नियाइ आ लराइ करतै।
हमर अगा एकटा उजर घोरा देखा परलै आ ओकर उपर सबार भेल लोक एकटा धनुस लेने छेलै, तकरबाद परमेस्वर ओकरा एकटा मुकुट देल्कै तब उ दोसरके जितैके लेल अगा बरहलै।
“लाउडिकियाके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख: ‘परमेस्वरके सिरिस्टीके सासक, जे बिस्बास योग्य, साँचो साक्छी आ आमेन चियै, उ अनङ कहैछै।
तकरबाद हम दोसर दरसन देखलियै आ स्वरगमे एकटा केबार खुलल देखलियै। हमर सुनल पहिन्का अबाज तुरहीके जखा आबाजमे हमरसङे अनङ बोलैत सुनलियै, “अते उपर या, तकरबाद हैले आबैबला बात हम तोरा देखाइबौ।”
“फिलाडेल्फियाके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘उ जे पबितर आ सत छै, जकर हाथमे दाउदके कुजी छै आ जकर खोलल केबार कोइ नै बन्द करैले सक्तै या बन्द करल केबार कोइ नै खोलैले सक्तै।
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
तखन स्वरगमे परमेस्वरके मन्दिर खुल्लै आ ओकर मन्दिर भितर ओकर करारके सन्दुक देखापरलै। तब अकासमे बिजली चमैक उठलै। डरलागैबला अबाज सुनाइ देल्कै आ मेघके गरजन सुनेलै, भुमकौन गेलै आ बरका बरका पथल परलै।
येसु फेनो कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब स्वरग उघरैत आ परमेस्वरके स्वरगदुतसबके मानब-बेटाके उपरमे चरहैत आ उतरैत देखबिही।”
तब हम उ जानबर आ सन्सारके रजासबके आपन-आपन सिपाहीसब ल्याके, घोरामे सबार भेल आ ओकर सेनासबके बिरोधमे लराइ करैले एक ठाम जम्मा भेल देखलियै।
बाकी लोकसब घोरामे सबार हैबलाके मुहसे निकलल तलबारसे मारलगेलै आ अकासके चिरै-चुरगुनसब ओइसबके मासु अग्हा-अग्हाके खेल्कै।