14 बेपारीसब ओकरा कहतै, “हे बेबिलोन, जे फलसब पाब्बै कैहके इक्छा करने छेल्ही से तोहरसे दुर चैलगेलछौ। तोहर धन-सम्पैत आ मान-सम्मान सब नास भेलछौ। आब उ फेर कहियो नै मिल्तौ!”
आब ओकरेसब जखा हमसब खराब इक्छा नै राखबै कैहके यि घटना अपनासबके चेताबनीके लेल चियै।
तुसब इक्छा त करैचिही, महज नै पाबैचिही। तुसब हतिया आ लालच करैचिही महज पाबे नै सकैचिही। तुसब लराइ आ झगरा करैचिही, महज तोरासबसङे नै रहैछौ, कथिलेकी तुसब परमेस्वरसे नै माङैचिही।
महज अबराहम ओकरा कहल्कै, ‘बेटा याद कर त, तु आपन जिन्गीमे सबचिज असले-असलसे भोग बिलास करलिही महज लाजरस दुखे-दुख काटल्कै। आब उ अते सुखमे छै आ तु दुखमे चिही।
महज परमेस्वर ओइ धनिक लोकके कहल्कै, ‘हे मुरुख लोक, आइए रातमे तोहर देहसे तोहर परान तोरा छोइरके चैलजेतौ, अतहेक चिजसब तु अपनलेल जे जमा करनेचिही, बिहान यीसब ककर हेतौ?’”
तब कथी देखैले गेल छेल्ही? कि असल-असल बस्तर पिन्हल लोकके? असल-असल बस्तर पिन्हैबलासब त राजदरबारमे रहैछै।
ओकरासबके दालचिनी, मसला, महग अतर, गमकौवा धुप, उजर धुप, मध, जैतुनके तेल, मैदा आ गहुम, गाइ-भैसिसब, भेंरासब, घोरासब, रथसब, कमारा-कमारीसब किछो नै किन्तौ।
जे बेपारीसब उ सहरके कारन धनिक भेल छेलै उसब ओकर कस्ट देखके डरसे दुरे ठार भ्याके एहेन कहैत जोरसे कान्तै आ सोक करैत,