17 कथिलेत परमेस्वर आपन उदेस्य पुरा करैबला मन ओकरासबके देनेछै आ परमेस्वरके कहल बचन पुरा नै हैतक उसब एकेमन भ्याके काम करतै, राज करैबला आपन अधिकार उ जानबरके देतै।
महज जब सातमा स्वरगदुत आपन तुरही फुक्तै तब परमेस्वर आपन सेबक अगमबक्तासबके कहल रहसके योजना पुरा हेतै।”
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, परमेस्वर तोरासबके लेल हमरे जखा इक्छा तितसके हिरदयमे राइखदेल्कै।
तब येसु आपन चेलासबसङे साँझके भोजन खाइछेलै। सैतान पहिनेसे सिमोनके बेटा यहुदा इस्कोरियोतके मनमे ओकरा पकरादैके बिचार राइखदेने छेलै।
उ दस रजासबके एके उदेस्य छै आ उसब आपन सक्ति आ अधिकार उ जानबरके सोइपदेतै।
“हम तोरासबके बारेमे नै कैहरहल चियौ, जकरा-जकरा हम चुन्ने चियै ओकरासबके जानैचियै। महज पबितर धरमसास्तर पुरा हेबे कैहके ‘जे हमर रोटी खाइछै ओह्या हमर बिरोधमे आपन एरी उठाइनेछै।’
कथिलेत परमेस्वरके इक्छामे मानब पुतरके त मरैए परतै, महज धिक्कार ओइ लोकके, जे कोइ मानब पुतरके धोखा देतै।”
अकासमे हम फेनसे एकटा औरो महान आ अदभुतके चेन्हा देखलियै। सातटा स्वरगदुतसब एक एकटा बिपत बोक्ने छेलै। उ त परमेस्वरके करोधके सातटा आखिरी बिपत चियै।
जब येसु सबकाम पुरा भेलै कैहके थाह भेलै से जाइनके पबितर धरमसास्तर पुरा हैके उदेस्यसे “हमरा पियास लाग्लै” कहल्कै।
यि देखके उसब आपसमे कहल्कै, “एकरा नै फारु, महज यि ककर भागमे परतै से चिठा लगबु।” पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात अनङके पुरा भेलै, “उसब हमर बस्तरसब आपसमे बाटल्कै आ हमर बस्तरके लेल चिठा लगेल्कै।” तैल्याके सिपाहीसब ओहिनङे करल्कै।
तब पबितर धरमसास्तर कहियो नै झुठ हैले सक्तै आ जे परमेस्वरके बचन पाबल्कै, ओकरासबके उ इस्वरसब कहल्कै।
हम तोरासबके कहैचियौ, ‘उ अपराधीसबसङे गनल गेलै’ यि पबितर धरमसास्तरमे लिखलाहा बातसब हमरमे पुरा हेबैये परतै। कथिलेत हमर बारेमे लिखल बातसब पुरा भ्यारहलछै।”
तहै बखत बारहो चेलामे एकटा इस्करयोती कहाइबला यहुदाके मनमे सैतान ढुकलै।
परमेस्वर ओइसब हरेकके एकटा-एकटा उजर बस्तर देल्कै आ ओकरासबके अनङ कहल्कै कि तोरासबके सङी सेबक आ भाइसबके तोरेसबके गन्ती जतहेक नै मारैतक बिसराम कर।
तब स्वरगदुत हमरा अनङ कहल्कै, “यि लिख, उसब धैनके चियै, जेसब थुमाके बियाहके नौता पाबल्कै।” उ हमरा फेनसे कहल्कै, “एह्या परमेस्वरके सत बचनसब चियै।”