2 हम आइगसङे मिलल सिसाके समुन्दर जखा देखलियै। ओते जानबर, ओकर मुरतिमे आ ओकर नामके सङख्यामे बिजय पाबैबला लोकसब छेलै। उसब आपन हाथमे परमेस्वरके देल बिना लके सिसाके समुन्दरके कातमे ठारभेल छेलै।
सिंहासनके अगा समुन्दर जखा देखाइबला चिज छेलै। उ चिज सिसा जखा सफा देखाइछेलै। आँखे आँख भेल चारटा जिबित परानी सिंहासनके अगा आ पछा कैरके चारुकातसे घेरनेछेलै।
थुमाके लहुसे, ओकरासबके घोसना करल सत बचनसे आ जान तलिक दैले उसब तैयार भेलाके कारन अपनासबके भाइ-भैयासब ओकरा जितनेछै।
तकरबाद उ चारटा जिबित परानीसब आ चौबिसटा धरमगुरुसब अगा आइबके निहुक गेलै। सबके हाथमे एक-एकटा बजाबैबला बिना आ धुप गमकसे भरल सोनाके बाटी छेलै, उ धुपके गमक त परमेस्वरके लोकसबके चरहाल बिन्ती परथना चियै।
उ दबाल चमकदार पथलसे बनल छेलै आ सहर निखुर सोनासे बनल छेलै आ सफा सिसा जखा चम्कैछेलै।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
पहिन्का जानबरके लेल देखाइबला अजगुतके चेन्हासब दुवारा उ सन्सारके सब लोकसबके बहकेल्कै। तरबारके बहौत गैहर चोटसे निक भेल ओइ जानबरके सम्मानमे एकटा मुरती बनाबैके आदेस दोसर जानबर सन्सारके लोकसबके देल्कै।
हे पिरिय भाइसब, तोरासबके जाचैके लेल अगनी परिक्छा एल बखत, यि नै हैबला काम चियै कैहके तुसब अचम नै मान।
हम समुन्दरके बालु उपर ठारभेल छेलियै तकरबाद समुन्दरसे निकैलके आबैत एकटा जानबर हम देखलियै। उ जानबरके दसटा सिङ आ सातटा मुरी छेलै आ सब सिङमे एकटा-एकटा मुकुट छेलै आ ओकर सब मुरीमे परमेस्वरके अपमान करैबला नाम लिखल छेलै।
यि चेन्हा ओइ जानबरके नाम या ओकर सङख्या छेलै। तब जतहेक लोकके उ चेन्हा नै छेलै, उसब किन-बेच करैले नै पाबैछेलै।