12 अकर मतलब परमेस्वरके आग्यापालन करैबला आ येसुमे बिस्बास करैबला परमेस्वरके जनसब धिरज करेपरतै।
यदि कोनो लोक कैदके लेल छै त ओकरा कैद कैरके ल्याजेतै आ कोनो लोकके तरबारसे मारैके छै त उ साँचोके तरबारेसे मारल जेतै। तैल्याके परमेस्वरके लोकसबमे सहैके सक्ती आ बिस्बास हेबेपरतै।
तब उ अजेगर ओइ जनीसङे औरो खिस्याइलै आ ओकर सन्तान, परमेस्वरके आग्या मानैबलासब आ येसुके साक्छी दैबलासब सङे लराइ करे गेलै।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
तोहर काम हमरा थाहछै। देख, हम तोहर अगा केबार खोलल छोरदेने चियौ, जकरा कोइ नै बन्द करैले सकैछै। तोरासङे कनहिक सक्तीछै कैहके हमरा थाहछै, तैयो तु हमर बचन पालन करनेचिही आ हमर नाउके इन्कार नै करनेचिही।
हम उत्तम लराइ लरने चियै। हम आपन दौर पुरा करनेचियै आ आपन बिस्बासमे अटल चियै।
यदि अपनासब ओकर आग्यापालन करबै त अहैसे अपनासब जान्बै कि अपनासब ओकरा चिन्हैचियै।
हमरा थाहछै, तुसब सैतानके सिंहासन भेल ठाममे रहैचिही, तैयो तुसब हमर नाममे अस्थिर रहैचिही। तुसब हमर भक्त चिही आ हमरा बिस्बास करैले नै छोरनेचिही से हमरा थाहछै। हमर बिस्बासी साक्छी एन्टिपास सैतान रहैबला ठाममे मारलगेलै, ओहु समयमे बिस्बास करैले नै छोरलिही।