3 तकरबाद अकासमे औरो एकटा अचमके चेन्हा देखा परलै, ओकर सातटा मुर आ दसटा सिङ भेल्हा एकटा बरका लाल अजेगर छेलै। ओकर सातटा मुरमे सातटा मुकुट रहै।
तु जे दस सिङ देखलिही, से दस रजासब चियै, उसब अखुनतक राज नै करने छै। महज उसब कुछ समयके लेल उ जानबर सङे राज करैके अधिकार पाबतै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
तु जे जानबर आ दसटा सिङके देखलिही, उ ओइ बेबिचारनी जनिके घिरना करतै। उसब ओकर सब चिज लुइटके नङटे बनाइतै आ ओकर मासु खेतै आ ओकरा आइगसे नास कैरदेतै।
महज स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “तु कथिले छक परलिही?” हम तोरा उ जनी आ ओकरा बोकैबला सातटा मुरी आ दसटा सिङ भेल जानबरके रहस बतेबौ।
उ स्वरगदुत अजेगरके पकैरके एक हजार बरिसतक बाइन्हके राखल्कै। उ अजेगर सुरुके साँप या दुस्टके रजा आ सैतान चियै।
ओकर नङरिसे स्वरगके एक तिहाइ तरासबके बरहाइरके पिरथिबीमे फेक देल्कै। तब जलमेलागल बच्चा जलमैत मातर खाइके लेल जलम दैबाली जनीके अगा उ अजेगर ठारभेल छेलै।
तकरबाद अकासमे एकटा अचमके बरका चेन्हा देखा परलै। एकटा जनि देखा परलै, जे सुरुज पिन्हने छेलै, जकर टाङके निचामे चान आ मुरमे बारहटा तराके मुकुट लगेने छेलै।
तब हम अजेगरके मुहसे, जानबरके मुहसे आ झुठा अगमबक्ताके मुहसे बेङ जखा तिनटा असुध आत्मासबके निकलैत देखलियै।
ओकर आँख त आइगके धिधरा जखा छेलै आ ओकर मुरीमे बहुत मुकुटसब छेलै। ओइमे एकटा लया नाम लिखल छेलै, महज उ नाम ओकर बाहेक औरो ककरो थाह नै छेलै।
तब उ अजेगर ओइ जनीसङे औरो खिस्याइलै आ ओकर सन्तान, परमेस्वरके आग्या मानैबलासब आ येसुके साक्छी दैबलासब सङे लराइ करे गेलै।
तकरबाद स्वरगमे लराइ सुरु भेलै। मिखाएल आ ओकर औरो स्वरगदुतसब उ अजेगर सङे लराइ करल्कै। तब ओइ अजेगर आ ओकर दुतोसब ओइसबके बिरोधमे लराइ करल्कै।
तब उ अजेगर आपनके पिरथिबीमे फेकल चियै से बात थाह पाइबके बेटा जलमाइबाली जनिके खिहारैले लाग्लै।
हम समुन्दरके बालु उपर ठारभेल छेलियै तकरबाद समुन्दरसे निकैलके आबैत एकटा जानबर हम देखलियै। उ जानबरके दसटा सिङ आ सातटा मुरी छेलै आ सब सिङमे एकटा-एकटा मुकुट छेलै आ ओकर सब मुरीमे परमेस्वरके अपमान करैबला नाम लिखल छेलै।
उ जानबर चितुवा जखा लागैछेलै। ओकर टाङ भालु जखा छेलै आ मुह सिंह जखा छेलै। उ अजेगर आपन सक्ती, सिंहासन आ बरका अधिकार ओहै जानबरके देल्कै।
लोकसब उ अजेगरके पुजा करैछेलै कथिलेत अजेगर आपन अधिकार जानबरके देनेछेलै। लोकसब उ जानबरके सेहो जयजयकार करैत अनङ कहल्कै, “ओइ जानबर जखा औरो के छै से? ओकरसङे लराइ करे सकैबला के छै से?”
अकासमे हम फेनसे एकटा औरो महान आ अदभुतके चेन्हा देखलियै। सातटा स्वरगदुतसब एक एकटा बिपत बोक्ने छेलै। उ त परमेस्वरके करोधके सातटा आखिरी बिपत चियै।