7 उसब आपन गबाही दैबला काम ओरेलाकेबाद नरकसे निकैलके एल उ जानबर ओकरासबसे लराइमे जितके ओकरासबके जानसे माइरदेतै।
उ परमेस्वरके लोकसबसङे लराइ करैके आ ओइसबके जितैके अधिकार पाबनेछेलै। सब कुल, देस, भसा आ जाति उपर अधिकार करैले देने छेलै।
अहाँ जे काम करैले हमरा जिमा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै।
येसु उसबके कहल्कै, “ज्याके ओइ नरहियाके ऐहन कैहदहै, ‘आइ आ बिहान हम भुतसब निकाल्बौ आ बिमारसबके निक करबौ तब तेसर दिन हमर काज पुरा हेतै।’
तकरबाद हम पिरथिबीसे निकलैत दोसर एकटा जानबर देखलियै। जकरा थुमा जखा दुइटा सिङ छेलै आ ओकर बोली अजेगर जखा छेलै।
हमर दुइटा साक्छीसबके एक हजार दुइ सय साइठ दिनतक बोराके बस्तर लगाके अगमबानी बोलैके सक्ती हम देबै।”
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
हम उत्तम लराइ लरने चियै। हम आपन दौर पुरा करनेचियै आ आपन बिस्बासमे अटल चियै।
तब येसु उ पिके कहल्कै, “आब पुरा भेलै।” तकरबाद उ आपन मुरी तर कैरके परान तियाइग देल्कै।
तब भुतसब येसुके बिन्ती करल्कै, “हमरासबके निक्ले नै सकैबला गैहर खाइधमे नै पठाबु।”
तब उ अजेगर ओइ जनीसङे औरो खिस्याइलै आ ओकर सन्तान, परमेस्वरके आग्या मानैबलासब आ येसुके साक्छी दैबलासब सङे लराइ करे गेलै।