18 हम पाबैबलासे बेसी पाबनेचियै। इपाफोरोडिटसके हाथसे पठ्याल तोरासबके गमगम करैबला, परमेस्वरके मनपरैबला आ गरहन योग्य भेटी पाइबके हम सन्तुस्ट भेलचियै।
एक दोसरके भलाइ करैले आ आपनसङे भेल चिज बाटचुट करैले नै भुल, कथिलेत अहिनङे बलीसबमे परमेस्वर परसन्न हैछै।
चाहे अभाब हेबे चाहे परसस्त हेबे कनङके जिबन चलाइबै से बात हम सिखने चियै। अघाएलमे हेबे या भुखाएलमे हेबे, भरपुरीमे हेबे या कमीमे हेबे, कोनोभी परिस्थितीमे सन्तुस्ट रहैले हम सिखने चियै
तोरासबके देल दानसे परमेस्वरके जनके खाँचो पुरा मातरे नै, महज यि कामसे उ लोकसब परमेस्वरके एकदमे धन्यबाद देतै।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
तुसब जिबित पथल चिही। परमेस्वर तोरासबके परयोग कैरके आपन आत्मिक मन्दिर बन्यारहलछौ, ताकी तुसब पबितर पुजारी भ्याके येसु खिरिस्टसे परमेस्वरके मनपरैबला आत्मिक बलिदान चरहाइले सकबिही।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
तैल्याके हे भाइ-भैयासब, परमेस्वरके दयाके धियानमे राइखके हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ, तुसब आत्मिक आराधनाके रुपमे आपन-आपन देहके पबितर आ परमेस्वरके मनपरैबला जिबित बलीके रुपमे चरहा। ओकर आराधना करैबला सहि तरिका एह्या चियै।
करनेलियस स्वरगदुत दिसन डेरा-डेराके ताकल्कै आ कहल्कै, “कहु परभु” स्वरगदुत कहल्कै, “तोहर परथना आ गरिबसबके उपर देख्याल दयाके कामसब परमेस्वर देख्ने छौ। परमेस्वर तोहर सब असल कामके भेटीके रुपमे सुइकार करनेछौ।
हम तोरासबके सेबा करैबेर औरो मन्डलीसे मदत पाबलियै। एहेन मदत लेलियै त उ मन्डलीसबके लुटल जखा भेलै।