15 सुरुमे हम तोरासबके सुसमाचार परचार कैरके माकेडोनिया परदेससे जाइले लागलियै त हमरा सहायता करैबला मन्डली तुहिसब मातरे छेल्ही। यि बात तु फिलिप्पी सबके थाहे छौ।
कथिलेकी तुसब सुरुवेसे अखुनतक सुसमाचारके काममे सहभागी चिही।
जहलसे निकललाके बाद पावल आ सिलास लिडियाके घरमे गेलै। ओते उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब सङे भेटघाट करल्कै आ साहस द्याके ओतेसे बिदाह भेलै।
कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
हे भाइ-भैयासब, तोरासबके यि थाह हेबे कैहके हम चाहैचियै कि हमरमे जे बित्लै तैसे बहुतो लोकसबके सुसमाचार सुनैके मौका भेटलछै।
सुसमाचारके पक्छमे बोलैके लेल हम अते चियै कैहके जानैबलासब यि काम परेमसे करैछै।
अहैलेल हमर पिरिय भाइ-भैयासब, जनङ तोरासब सबदिन आग्यापालन करैत एलचिही, हमर उपस्थितीमे मातरे करल जखा नै, महज आब औरो बेसिसे हमर अनुपस्थितीमे आदर आ डर मानैत तुसब आपन मुक्तीके काम पुरा करैके लेल एकदमसे मेहनत कर।