10 हम परभुमे एकदम आनन्दित चियै। बहौत समयके बाद फेनसे तुसब हमरा वास्ता करलिही। अकर मतलब तुसब हमरा वास्ता नै करलिही कैहके नै कहैचियौ महज वास्ता करैके मौका नै मिलल छेलौ।
तोरासबसङे रहैतकाल जब हमरा घटि-कमी भेलै, तब हम ककरो बोझ नै बनलियै, कथिलेकी माकेडोनिया परदेससे एल भाइसब हमर घटि-कमी पुरा करल्कै। हम तोरासबके बोझ पैहनियो नै रहलियौ आ पाछुवो नै हेबौ।
बचनके सिक्छा पाबैबला सबकोइ आपन सब असल चिजसब बचन सिखाइबलासङे बाँटचुट करे।
जब हम तोरासबके याद करैचियौ तब हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै।
तैखातिर मौका भेटैत मातर सबकोइके भलाइ कैरते चल, खास कैरके खिरिस्टमे बिस्बास करल परिबारसबके।
सत खबर परचार कैरके परमेस्वरके सक्तीसे हमसब काम करैचियै। लराइ करैबला हाथ-हथियार देहना हाथमे आ आपनके रक्छा करैबला हाथ-हथियार बमा हाथमे बोकैचियै। उ एकेटा हाथ-हथियार धारमिकता चियै।
कथिलेकी उ खिरिस्टके काम करैके लेल मिरतुके मुहमे परल छेलै। तुसब हमर लेल पुरा करैले नै सकल सेबा उ पुरा करल्कै।
हम पावल आ तिमोथी, येसु खिरिस्टके दास, फिलिप्पी सहरमे रहैबला परमेस्वरके पबितर जनसब, मन्डलीके रेख-देख करैबलासब आ डिकनसबके यि चिठी लिखैचियै।