3 सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
तुसब खिरिस्टमे होनाइ साँचोके खतना पाबनाइ चियौ। लोकके हाथसे लगाइबला खतना नै महज खिरिस्टसे खतना भेलचिही। यि खतना तोरासबके पाप स्वभाबके सक्तीसे छुटकरा पाबैके लेल चियै।
महज अपनासबके अधिनमे राखैबला बेबस्थाके लेल मैरके आब ओइसे छुटकरा पाबनेचियै, ओहैसे अपनासब पुरन्का लिखल बेबस्था अनुसार सेबा नै करैचियै, महज पबितर आत्माके देल लया बिधी अनुसार परमेस्वरके सेबा करैचियै।
यदि पबितर आत्मा अपनासबके लया जिबन देनेछै त, ओकर अगुवाइ अनुसार चलैले परतै।
कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
हम आपन पुरे मनसे परमेस्वरके बेटाके बारेमे सुसमाचार परचार कैरके सेबा करैचियै। हम आपन परथनामे तोरासबके सबदिन सम्झैचियौ से बातके साक्छी परमेस्वर आपने चियै।
महज, पिरिय भाइसब, तुसब एकदम पबितर बिस्बासमे बौकार हैत जो। पबितर आत्माके सक्तीमे रैहके परथना कर।
ओहैसे येसु खिरिस्टके कारन परमेस्वरके लेल हमर करल काममे हम गर्भ करैचियै।
नै त अकास, नै त पताल, सिरिस्टीके कोनो सक्ती अपनासबके परमेस्वरके परेमसे अलग करैले नै सक्तै। कथिलेत खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके परेम करने छै।
इजराएलीसब खिरिस्टमे बिस्बास नै करल्कै कहतेमे, परमेस्वर ओकरासबसङे करल परतिग्या बिफल भेलै से बात नै चियै। कथिलेत इजराएलके कुलमे जलमल सब लोकसब त परमेस्वरके लोकसब नै चियै।
बहुतो लोक सन्सारके बातसबमे घमन्ड करलासे हम्हु घमन्ड करैचियै।
यि बात पालन करैबला सबकोइमे आ परमेस्वरके सब लोकमे सान्ती आ किरपा रहे।
हम पावल आ तिमोथी, येसु खिरिस्टके दास, फिलिप्पी सहरमे रहैबला परमेस्वरके पबितर जनसब, मन्डलीके रेख-देख करैबलासब आ डिकनसबके यि चिठी लिखैचियै।
हम लक्छमे पहिनेसे पुइग गेल चियै, या हम पहिनेसे सिध भेलचियै कैहके नै कहैचियौ, महज यिसब पकरैके लेल अगा बैढरहल चियै, जै बातके लेल खिरिस्ट हमरा चुनल्कै।
ओहैसे स्वरगके इनाम जितैके बिचारसे लक्छ दिसन अगा बरहैचियै। अकरे लेल परमेस्वर हमरा खिरिस्ट येसुसे अनन्त जिबनमे बोलाइनेछै।