15 अपनासब आत्मिक रुपमे परिपक भेलसबके ओहिने बिचार करेपरतै। ककरो ककरोमे फरक बिचार छै त परमेस्वरे तोरासबके परकट कैरदेतौ।
यदि कोइ ओकर इक्छा अनुसार काम करैले चाहैछै त से उ जाइन जेतै, कि हमर सिक्छा परमेस्वरसे एलछै, कि हम आपने मनसे बोलैचियै।
तुसब हमर कहल बातसबसे दोसर दिसन मन नै लागबिही कैहके हमरा परभुमे पुरा भरोसाछै। जेसब तोरासबके बहक्याके गलत रस्तामे ल्याजेतौ ओइसबके परमेस्वर सजाय देतै।
तैयो परिपक भेल बिस्बासीसबके बिचमे अपनासब ग्यान-गुनके बात करैचियै, महज अइ जुगके ग्यान या अइ जुगके सासकसबके ग्यान नै, जे बितके जेतै।
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब सोच-बिचारमे बचा जखा नै महज परिपक्क लोक जखा बन। खराब बातमे ठिक-बेठिक छुटयाबैले नै सकैबला बचा जखा हो।
जनङ स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिता सिध छौ, तोरोसबके ओहिनङे सिध हेबे परतौ।”
ठोस भोजन खाइबला परिपक्क लोक रहैछै। उसब दिमागके निरन्तर अभ्यास दुवारा असल आ खराब छुटियाबे सकैबला भेल रहैछै।
तैखातिर हमसब ग्यानमे सबलोकके चेताबनी आ सिक्छा दैत खिरिस्टके बारेमे परचार करैचियौ ताकी सबलोकके खिरिस्टमे परिपक बन्याके परमेस्वरके अगा लाबैले सकी।
अपनासब बिस्बासमे बौकार भेल लोकसब आपने मातरे खुसी नै बल्की बिस्बासमे कमजोर भेल लोकसबके धिरजसाथ सहायता करैले परतौ।
तुसब खराब हैतोपरभी आपन धियापुतासबके असल चिजसब दैले आबैछौ त, औरो तोरासबसे बेसी स्वरगमे रहैबला पिता, ओकरसङे माङेबलाके पबितर आत्मा दैछै!”
महज जे परमेस्वरके बचनके पालन करैछै उ परमेस्वरके साँचो परेम करैछै। ओहैसे अपनासब ओकरमे चियै से जानैचियै।
ताकि परमेस्वरमे बिस्बास करैबला लोकसब सब असल कामके खातिर पुरा तौरसे सुसोभित भ्याके रहे।
अगमबक्ताके किताबमे एहेन लिखलछै, ‘सबलोक परमेस्वरसे सिख्यालजेतै।’ जे कोइ पिताके सिक्छा सुनैछै आ सिखैछै से कोइ हमरलग आबैछै।
हम अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमाके पिता, परमेस्वरके यि परथना करैचियै कि उ तोरासबके बुइध आ परकासके आत्मा देबे ताकी तुसब ओकरा असलसे चिन्हैले सके।
एक दोसरके परेम करे परैछै तैके बारेमे तोरासबके लेल लिखैके कोनो जरुरी नै छै, कथिलेकी परमेस्वर आपनेसे तोरासबके एक दोसरके परेम करे परैछै कैहके सिखाइने छौ।