26 तोरासबके भेटैके ओकर एकदम इक्छाछै। उ बिमार परल बात तुसब सुनलासे उ एकदम चिन्ता कैररहलछै।
खिरिस्ट येसुवे जखा हम्हु तोरासबके परेम करलासे तोरासबके भेटैके एकदम इक्छा करनेचियै से परमेस्वर जानैछै।
अहै खातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हम तोरासबके खातिर जे कस्ट भोग्नेचियै उ देखके हार नै मान। यि त तोरासबके खातिर गौरबके बात चियौ।
आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
अहैलेल हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, तुहिसब हमर लेल पिरिय चिही। हम तोरासबके कतहेक याद करैत रहैचियौ। तुसब हमर आनन्द आ मुकुट चिही। हे हमर पिरियसब, अहिनङे तुसब परभुमे अस्थिर रह।
हमर परेम करल इजराएली लोकसबके लेल हमर हिरदयमे एकदम सोक आ पिरा छै।
महज पतरुस आ जब्दियाके दुनु बेटाके येसु आपने सङे ल्यागेलै। उ बहुत दुखी आ ब्याकुल हैले लाग्लै।
“हे सब थाकल आ बोझसे दाबल लोकसब, हमरलग या, हम तोरासबके बिसराम देबौ।
यि तोरासबके लेल बहौत खुसीके बात चियौ, ओनङ त, अखैन कुछ समयके लेल तरासबके बहौत परकारके कस्ट भोगेपरल छौ।
जब हम तोरासबके याद करैचियौ तब हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै।
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।
परमेस्वरके परसस्त अनुगरह तोरासबमे भेलाके कारनसे उसब मन खोइलके तोरासबके लेल परथना करतौ।
यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
पबितर आत्मासे मिलल आसिस तोरासबसङे बाइटके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकी कैहके तोरासबसे भेटैके खुब इक्छाछै।
महज पावल कहल्कै, “तुसब कथिले काइनके हमर मनके तोरैचिही? हम त यरुसलेममे बन्हाइले मातर नै, महज हम त परभुके लेल मरैयोले तैयार चियै।”
आपनसबके भाइ, इपाफोरोडिटसके हम तोरासबलग पठाबैके आबसेक देखलियै। हमसब दुनु सङे-सङे काम करलियै आ सुसमाचार सुनाइबला काममे दुख भोगलियै। उ तोरेसबके दुत चियौ, जकरा हमर सहायताके लेल तुसब पठाइने छेल्ही।
साँचोके उ बिमार पैरके मरैले लागल छेलै, महज परमेस्वर ओकर उपर दया करल्कै। ओकरा मातरे नै महज हमरा दुख उपर दुख नै हेबे कैहके हमरो दया करल्कै।