22 तोरासबके थाहे छौ, कि तिमोथीके बेबहार असल छै। जनङ बेटा आपन बाबुके साथ दैछै तहिनङे उ हमरसङे सुसमाचार परचारके काममे हमरा साथ देल्कै।
अहैसे हम तोरासबलग तिमोथीके पठाबैचियै। उ परभुमे हमर पिरिय आ बिस्बासयोग्य बेटा चियै। हम सबठाम आ मन्डलीमे सिख्याल अनुसार खिरिस्ट येसुमे हमर जिबन केहन छेलै, से बात उ तोरासबके बतेतौ।
हम आपन पिरिय बेटा तिमोथीके यि चिठी लिखैचियै। परमेस्वर पिता आ आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती देबे।
बिस्बासमे हमर साँचोके बेटा तिमोथीके चिठी लिखरहलचियै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती मिले।
तुसब हरेक बिसयमे आग्याकारी चिही कि नै कैहके जाचैके लेल हम उ चिठी तोरासबके लिखने छेलियौ।
हमर बेटा तिमोथी, तोहर बारेमे पहिने करल अगमबानी बमौजी हम तोरा यि कहैचियौ कि तु सब बात पालन कर ताकि निडर भ्याके उतम लराइ लरैले सकबिही।
हमसब ओइसबसङे एकटा औरो भाइके पठाबैचियौ। हमसब ओकरा बहुतो बेर जाँचलियै आ काम करैमे एकदमे जोसगर पाबलियै। अखनियो तोरासबपरती ओकर बरका भरोसा छै आ मदत करैले औरो जोसगर भेलछै।
तितस, हमे तोरा यि चिठी लिखैचियौ। साँचोके तु हमर आपने बेटा जखा चिही कथिलेकी तोहर आ हमर बिस्बास एके चियौ। परमेस्वर पिता आ अपनासबके मुक्तीदैबला येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह आ सान्ती देबे।
तु त हमर सिक्छा, हमर चरितर, हमर जिबनके लक्छ, हमर बिस्बास, हमर धिरज, हमर परेम आ हमर सहनसिलता देख्नेचिही।
तिमोथी जखा तोरासबके सुध मनसे वास्ता करैबला असल लोक त हमरसङे औरो कोइ नै छै।
तुसब आपन परेमके परमान ओइसबके दहै आ हमसब कथिले तोरासबके बारेमे गर्भ करैचियै से बात मन्डलीसब देखे।
हम यि आग्याके रुपमे नै महज औरोसबके जोससङे तुलना कैरके तोरासबके परेम साँचो चियौ कैहके परमानित करैके लेल हम यि कहलियौ।
लुस्तरा आ आइकोनियाके बिस्बासीसबमे तिमोथीके असल लोकके रुपमे चिन्हैछेलै।
सहनसिलतासे अपनासबके असल चरितर बनाइछै आ असल चरितरसे आसा उतपन करैछै।
तिमोथी तोरासबलग एतौ त, ओकरा कोनो किसिमके दिकत हैले नै दिहे, कथिलेकी ओहो हमरे जखा परभुके काम करैछै।
कथिलेकी तुसब सुरुवेसे अखुनतक सुसमाचारके काममे सहभागी चिही।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
हे भाइ-भैयासब, तोरासबके यि थाह हेबे कैहके हम चाहैचियै कि हमरमे जे बित्लै तैसे बहुतो लोकसबके सुसमाचार सुनैके मौका भेटलछै।
सुसमाचारके पक्छमे बोलैके लेल हम अते चियै कैहके जानैबलासब यि काम परेमसे करैछै।
यदी तु यि सिक्छा औरो बिस्बासी जनसबके सिखाइबिही त, तु पालन करैत एल सिदान्त आ बिस्बासके बचनमे बौकार भ्याके येसु खिरिस्टके असल सेबक हेब्ही।