21 औरो लोकसब त आपने धुनमे लागलछै, येसु खिरिस्टके बारेमे वास्ता करैबला कोनो लोक नै छै।
कोइ आपन मातरे भलाइ नै, बरु दोसरके सेहो भलाइ खोजे।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।
तुसब आपने भलाइ नै खोज, महज दोसरके भलाइके सेहो देख।
कथिलेत लोक आपन स्वारथ मातर देखैबला, पैसा-कौरीके लोभ करैबला, आपनके बरका मानैबला, घमन्ड करैबला आ परमेस्वरके बिरोध करैबला हेतै। उसब आपन माँ-बापके बात नै मानैबला, असलो कामके खातिर धन्यबाद नै दैबला आ अपबितर हेतै।
हमर करल जखा कर। हम अपना खुस हैबला काम नै करलियै। महज सबकोइ मुक्ती पाबे कैहके सब तरहसे सबके भलाइ खोजैचियै।
परेम हठी नै हैछै, नै जिद्दी हैछै। परेम आपने बारेमे मातरे नै सोचैछै, दिक्क नै मानैछै आ खराबीके हिसाब नै राखैछै।
“हमर पछा आबैबला आपन माँ-बाबु, घरबाली, बेटा-बेटी, भैया-भाइ, दिदी-बहिनसबके आ आपन परानके हमरसे बेसी परेम करैछै त, उ हमर चेला नै बने सक्तै।
कथिलेत डेमास सन्सारके मोहमे फैसके हमरा छोइरदेल्कै आ थेसलोनिकेमे चैलगेलै। केरसेन्स गलातियामे आ तितस दलमातियामे गेलछै।
हमसब जतहेक खिरिस्टमे दुख भोग्बै, ततहेक बहौत परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टसे सान्तबना देतै।
पहिन्का बेर जखुन हमरा कचहरीमे आपन सफाइ दैले परल छेलै तखुन हमर पक्छमे कोइ नै बाज्लै। सब गोरे हमरा छोइरदेल्कै। यि बातके दोस ओइसबके ककरो नै लागे।
महज पावल मरकुसके सङे लजाइले इन्कार करल्कै, कथिलेत उ आपन काम पुरा नै कैरके ओइसबके पामफिलियामे छोइरके गेल रहै।
पावल आ ओकर सङिसब पाफोस सहरसे पानी जहाद चहैरके पामफिलिया इलाकाके परगा सहरमे पहुचलै आ मरकुस कहाइबला युहन्ना ओतेसे यरुसलेम घुइमके एलै।
तोरासबके थाहे छौ कि, एसियामे रहैबला सबगोरे हमरा छोइरके चैलगेलै, तै मेसे फुगेलस आ हरमोगेनस सोहो चियै।