3 जब हम तोरासबके याद करैचियौ तब हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै।
हम तोरासबके लेल सबदिन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै कथिलेकी खिरिस्ट येसुमे तुसब परमेस्वरसे अनुगरह पाबनेचिही।
हम तोरा आपन परथनामे याद करैचियौ आ हम हरदम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। जनङ हमर पुरखासब परमेस्वरके सेबा-टहल करने छेलै, तैहनङ हम्हु सुध बिबेकसे करैचियै।
तोरासबके लेल हमसब परमेस्वरके कतबो धन्यबाद देबै तैयो नै पुग्तै! तोरेसबके खातिर हमसब परमेस्वरके सामने बहौत आनन्द महसुस करैचियै।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, तुसब एकचोटी पापके दास छेल्ही महज तुसब अखुन आपन परमेस्वरसे सिखाल सिक्छा हिरदयसे पालन करैचिही।