29 कथिलेकी खिरिस्टके लेल तोरासबके यि देलगेलछौ, कि तुसब ओकरमे बिस्बास मातरे कैरके नै महज ओकर खातिर दुख सेहो भोगैले परतौ।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरौरके जब कोनो किसिमके आपत-बिपत एतौ तखुन तुसब खौब आनन्दके बात समझ।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
अतबेक नै, हमसब आपन दुख-कस्टमे सेहो आनन्द मनाबैचियै कथिलेत हमसब जानैचियै कि दुख-कस्टसे सहनसिलता उतपन कराबैछै,
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
कथिलेकी परमेस्वरके अनुगरहसे तुसब बिस्बाससे बच्याल गेलचिही। तुसब आपनेसे कोसिस कैरके नै, यि त परमेस्वरके देल बरदान चियौ।
कथिलेत बप्तिस्मा लैतखिना तुसब खिरिस्टसङे गारल गेल्ही आ मरलसे खिरिस्टके जियाइबला परमेस्वरके सक्तीमे बिस्बास करलाके कारनसे खिरिस्टसङे जिबित भेलचिही।
बरनाबास आ पावल एन्टिओखियामे पुग्लै तब ओते मन्डलीके सब बिस्बासीके बोलाइल्कै। तब ओइसबके सुनाइल्कै जे परमेस्वर ओकरासबसङे केहन-केहन काम करल्कै आ कनङके उ गैर-यहुदीसबके खातिर बिस्बासके केबार खोइलदेल्कै।
येसुमे बिस्बास करैबला जतहेक छै से सब पापसे छुटकारा पाबने छै, जे बात मोसोके लिखल धरम-नियमसे पुरा करे नै सक्ने रहै।
येसु ओकरा कहल्कै, “हे योनाके बेटा सिमोन, तु धैनके चिही! कथिलेत यि बात तोरा लोकसे नै बल्की स्वरगमे रहैबला हमर पितासे परगट भेलछौ।