23 हम त दोधारमे परल चियै। बरु अइ सन्सारसे बिदा भ्याके खिरिस्टसङे रहैके हमर बरका इक्छाछै, कथिलेकी यि एकदम असल बात चियै।
अपनासबके पुरा भरोसा छै, बरु हमसब अइ भौतिक देह त्यागके परभुसङे रहैले चाहैचियै।
तब स्वरगसे हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “यि बात लिख: आबसे परभुके सेबा करैत-करैत मरैबला लोक धन्यके चियै।” पबितर आत्मा अनङ जबाफ देल्कै, “साँचेके! उसब आपन आपन मेहनतसे आराम पाबतै, कथिलेत उसब आपन करल काम अनुसार इनाम पाबतै।”
जैहनङ उसब स्तिफनस उपर पथल मारैत खिना एहेन कहैत परथना करैतरहै, “हे परभु येसु, हमर आत्माके सुइकारु।”
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइयेके तु हमरसङे स्वरगमे रहबिही।”
कथिलेत हम बलिके रुपमे अरपन हैले लागल चियौ। हमर जाइबला समय आइबगेलौ।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
तब हमसब जिबित भेल्हासब परभुके अकासमे भेटैले ओइसबके सङे-सङे बादलमे उठ्याल ज्याब आ सबदिन हमसब परभुसङे रहब।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
एकटा दुखके बप्तिस्मा हमरा लैले परतै। जाबेतक हम उ बप्तिस्मा नै लेबै ताबेतक हमरा चैन नै हेतै।
हमसब परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइते रहैचियै, कथिलेकी जै परमेस्वरके सत बचन हमसब तोरासबके सुनेलियौ तुसब उ बचन लोकसबके चियै कैहके नै महज परमेस्वरके सत बचन छै बुइझके गरहन करलिही। उ बचन तोरासबके बिस्बासीसबके जिबनमे काम कैर रहल छौ।
निस्तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्कै आ अन्तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।
महज जे लोकसे भुतसब निकलल छेलै उ येसुके बिन्ती करैत कहल्कै, “गुरु जी, अहाँसङे हमरो ल्या चलु।” महज येसु ओकरा कहल्कै,
देख हमर भाइ-भैयासब, तोरासबसङे करल हमरासबके भेटघाट बेरथ नै भेलै कैहके तोरासबके थाहे छौ।
हमरासबके परेम तोरासब परती कम नै भेलछौ, बरु तोरासबके परेम हमरासब परती कम भेलछौ
महज तोरासबके लेल हम जिबित रहनाइ बहुत आबसेक छै।