16 आबसे उ दास जखा नै महज दाससे बैढके एकटा पिरिय बिस्बासी भाइ चियौ। हम ओकरा बहौत परेम करैचियै महज आब तु ओकरा एकटा लोकके रुपमे आ एकटा पिरिय बिस्बासी भाइके रुपमे औरो बेसिसे परेम कर।
हे दाससब, तुसब आपन मालिकसबके कहल सब बातसब मान। मालिकसबके खुसी करेके बिचारसे आँखके अगा मातरे नै महज परभुके डर राइखके सोझ मनसे काम कर।
“तोरासबके कोइ गुरु नै कहौक कथिलेत तुसब त भाइ-भाइभैयारीसब चिही। तोरासबके एकेटा मातरे गुरु छौ।
बिस्बासी भाइ-भैयासब त चियै कैहके दाससब आपन बिस्बासी मालिकके कम आदर नै करौक, बरु उसब औरो निकसे मालिकके सेबा करेपरतै, कथिलेकी सेबासे लाभ पाबैबला मालिकसब ओकरासबके आपने पिरिय बिस्बासी भाइ-भैयासब चियै। तु यि बातसब मन्डलीमे बिस्बासीसबके सिखा आ पालन करैके लेल उत्साह दहै।
कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
ओहैसे परमेस्वरके बोलाबट पाबलहा पबितर जनसब, तुसब आपन धियान येसुमे लगा, जकरा अपनासब परेरित आ परधान पुजारी कैहके सुइकार करैचियै।
तब हननिया गेलै आ ओइ घरमे ढुइकके साउल उपर हाथ राइखके कहल्कै, “भाइ साउल, तोहे आबैतखिना जे परभु येसु तोरा रस्तामे दरसन देने छेलौ, ओह्या हमरा तोहर खातिर तु देखे पाबबिही आ पबितर आत्मासे भरपुर हेब्ही कैहके हमरा पठाइने छै।”
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।