41 साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, हमर नाममे जे कोइ तोरासबके खिरिस्टके लोक चियै से कैहके एक लोटा पानी पियैले देतौ, उ अबस्ले इनाम पाबतै।”
जे हमर छोटसे छोट चेलासबमेसे ककरो हमर चेला कैहके एक लोटा जुर पानी पियैले देतै त, हम साँचेके कहैचियै उ आपन इनाम नै गुमाइतै।”
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तुसब त बाहरमे देखैबला बात मातरे देखैचिही। यदि कोइ उ खिरिस्टके चियै कैहके बिस्बास करैछै त, उ आपने आपके याद करे कि जहिना उ खिरिस्टमे छै तहिना हम्हुसब खिरिस्टके चियै।
महज हरेक लोक आपन-आपन पालमे जीके उठतै। सबसे पहिने खिरिस्ट जीके उठतै, तकरबाद खिरिस्ट फेर एतै तखैन ओकरमे बिस्बास करैबला सबकोइ जीके उठतै।
यदि तु जे खाइचिही ओइसे तोहर आपने भाइके चित दुखैछौ त, तु आपन भाइके परेमे नै करैचिही। खिरिस्ट आपन परान देके बच्याल भाइ तोहर खाइबला चिजसे नास नै हेबे।
यदि साँचोके परमेस्वरके आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, तुसब पाप स्वभाबके अधिनमे नै, महज पबितर आत्माके अधिनमे रहैचिही। यदि कोनो लोकमे खिरिस्टके आत्मा नै छै त, उ खिरिस्टके लोक हेबे नै करतै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।
तुसब खिरिस्टके चिही आ खिरिस्ट परमेस्वरके चियै।
जब येसु असगरे भेलै, तब बारह गोरा चेलासब आ ओकर अगल-बगलमे भेल लोकसब ओकरा खिसाके बारेमे पुछल्कै।