4 तब ओते एलिया आ मोसा देखा परलै। उसब येसुसङे बातचित कैर रहल छेलै।
तब हम ओकरा आराधना करैले ठेङहुनिया देलियै महज उ हमरा कहल्कै, “तु एहेन नै कर। हम त तोहर आ तोहर भाइ-भैयासबसङे येसुके गबाही दैबला परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर। कथिलेत जे कोइ परभु येसु खिरिस्टके गबाही दैछै ओकरा परमेस्वरसे अगमबक्तासबके हौसला दैछै।”
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
आ कहल्कै, “तोरासबसङे रहैतकाल हमर बोलल्हा बचन एहा चियै, अरथात मोसाके बेबस्था, अगमबक्ताके किताबसब आ भजनसङगरहके किताबमे हमर बारेमे लिखलाहा सबबातसब पुरा हैए परतै।”
तब येसु ओइसबके मोसाके किताबसब आ सब अगमबक्तासबसे सुरु कैरके, धरमसास्तरमे आपन बारेमे लिखल सबबातसबके अरथ असलसे खोइलके बुझादेल्कै।
उसब जबाफ देल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया आ कोइ पहिन्का कोनो अगमबक्तासब मेसे एक गोरे जिके उठल छै कहैछै।”
कथिलेत बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ सब अगमबक्तासब परमेस्वरके राजके बारेमे भबिसबानी करने रहै।
ओकर पिन्हल बस्तर एकदमसे उजर आ चमकदार भेलै, पिरथिबीमे एहेन उजर धोइयोके नै हैछै तेहन उजर भेलै।
यि देखके पतरुस कहल्कै, “गुरु जी, अपनासबके एते रहनाइ असले भेलै। आब अते हमसब तिनटा पाल बनाएब, एकटा अहाँके लेल, एकटा एलियाके लेल आ एकटा मोसाके लेल।”