23 तब येसु ओकरा कहल्कै, “कथिले सक्बै कहैचिही? बिस्बास करैबलाके लेल सबकुछ सम्भब हैछै।”
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु बिस्बास करबिही त परमेस्वरके महिमा देखबिही से हम तोरा नै कहने छेलियौ?”
बिस्बास बिना परमेस्वरके खुसी करनाइ असम्भवछै, कथिलेकी जे परमेस्वरके नजदिक आबैछै, उ परमेस्वर छै आ ओकरा खोजैबलासबके इनाम देतै कैहके पक्का बिस्बास करेपरतै।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, यदी आपन मनमे कोनो संखा नै करतै महज आपनेसे कहल बात पुरा हेबे कैहके बिस्बास कैरके यि पहाड़के ‘अतसे उखरके समुन्दरमे जो’ कहतै त ओकरलेल तैहनङ हेतै।
येसु उसबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके बिस्बासमे कमि भेलाके कारन अनङ भेलै। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे रायके बिया बराबर बिस्बास रहतौ त यि पहारके ‘अतसे हैट जो’ कहबिही त हैटजेतौ आ तोरासबके लेल कोनो चिज असम्भब नै हेतौ।
तब फेनो येसु कहल्कै, “अगर तोरासबके बिस्बास रायके बियो बमौजी हेतौ त यि तुतके गाछके, ‘तु उखैरके समुन्दरमे रोपा जो’ कहबी त तैहनङ हेतौ।”
पावल जे बोलैत रहै से उ सुनैछेलै। पावल उ लोकके निक हेबे सक्बै से बिस्बास देखके सिधा ओकर दिसन ताकल्कै।
भुत आत्मा अकरा नास करैले बेर-बेर आइग आ पानीमे फेकने रहै। महज अहाँ कुछो करैले सक्बै त दया कैरके निक कैरदियौ।
यि सुनते मातर ओइ छौराके बाबु जोरसे कहल्कै, “हे परभु, हम बिस्बास करैचियै, हमर बिस्बासमे औरो बौकार हैले हमरा सहायता करु।”
येसु कहल्कै, “या” तब पतरुस नाहसे उतैरके पानी उपरमे चलैत येसु दिसन आबे लाग्लै।