17 एक गोरे भिरसे येसुके कहल्कै, “गुरु जी, हम आपन बेटाके अहाँ लग आन्ने चियै, अकरा बौक बनाइबला भुत आत्मा लागल छै।
येसु एकटा लोकसे भुत निकाइल रहल छेलै, जे बौक छेलै। ओकर देहसे भुत निकल्लाके बाद उ बौक लोक बोले लाग्लै, यि देखके लोकसब छक परलै।
जब भिरके येसु आपन दिसन आबैत देखल्कै तब ओइ भुत आत्माके कहल्कै, “ए बौक आ बैहर करैबला आत्मा, हम तोरा आग्या करैचियौ ओकरसे निकैलके चैल जो आ फेनो ओकरमे कहियो नै ढुक।”
येसु यहुदिया परदेससे गालिल परदेसमे पुइग गेल्छै, से सुइनके उ ओकरलग गेलै आ बिन्ती करैत कहल्कै, “आबु हमर बेटा मरे लागलछै, ओकरा निक कैरदियौ।”
भिरसे एकटा लोक जोरसे कहल्कै, “गुरु जी, हम अहाँके गोर लागैची, हमर बेटा उपर किरपा करु, कथिलेत उ हमर एकलौता बेटा चियै।
तब लोकसब आपन धियापुतासबके उपर हाथ राइखके आसिरबाद देबे से बिचार कैरके येसु लग आनल्कै। महज यि देखके चेलासब ओइसबके खिस्याइल्कै।
उ सिरिया देसके फोनिके इलाकाके एक गिरिक जनी छेलै। उ जनी आपन बेटीसे भुत आत्मा निकाइल दिय कैहके ओकरसे बिन्ती करल्कै।
आ एहेन कैहके बिन्ती करल्कै, “हमर छोटकी बेटी मरे लागल छै, आइबके ओकर उपरमे आपन हाथ राखदिय जैसे उ निक हेबे आ जि जाय।”
“परभु, हमर बेटा उपर दया करु, कथिलेत मिरगी रोगके कारन उ एकदमे दुख काइट रहल छै। उ कहियो आइग आ कहियो पानीमे खैसपरैछै।
तब लोकसब एकटा भुत आत्मा लागल आन्हर आ बौक लोकके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरा निक करल्कै तब उ लोक बोले आ देखे लाग्लै।
जब उसब निकैलके जाइतरहै, तब एकटा भुत लागल बौक लोकके येसु लग आनल्कै।
येसु आपन चेलासबके पुछल्कै, “कथिके बारेमे तुसब ओकरासबसङे बहस करैचिही?”
जब भुत आत्मा अकरा लागैछै तब ओकरा जमिनमे खस्या दैछै, मुहसे लेरपोंटा चुवाबैछै आ दात किटकिटाइछै आ देह ठिठैङ जाइछै। ओइ भुत आत्माके निकाइल दिय कैहके हम अहाँके चेलासबके बिन्ती करलियै महज उसब नै सकलक।”