12 येसु जबाफ देल्कै, “साँच्चो के, पहिने एलिया एतौ आ सब चिजके पहिनेके नहाइत बनाइतै। महज मानब बेटाके बहुत दुख कटनाइ आ दोसरसे बहिस्कार हेबेपरतै से कथिले पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै?
हेरोद आपन सेनासबसङे येसुके गिल्ला करैत ओकरा अपमान करल्कै। तकरबाद ओकरा रजासब जेहेन बस्तर लगाइछै तैहनङे बस्तर पिन्हाके पिलातसलग घुम्याके पठादेल्कै।
हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही। कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
ओकरसङे कुरूसमे टाङल डाकुमेसे एकटा डाकु ओकर अपमान करैत कहल्कै, “कि तुही मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट चिही नै? आब तु आपनो आ हमरो बचा।”
मानबके बेटाके समबन्धमे जे धरमसास्तरमे लिखल छै, तहिने ओकरा जाही परतै, महज धिक्कार छै ओइ लोकके जे मानबके बेटाके पकराइतै। उ लोक जलम नै लेने रहतियै त ओकरलेल असल हेतियै।
ओह्या दिनसे येसु आपन चेलासबके खोइलके सब बात कहैले लाग्लै, “हम यरुसलेम जेबै आ ओते अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबसे बहुत दुख भोग्बौ, मारल जेबौ आ तेसर दिनमे फेनो मिरतुसे जिके उठबौ।”
महज हम तोरासबके कहैचियौ, एलिया आइबगेल छै आ ओकर बारेमे धरमसास्तरमे लिखल बमोजिम लोकसबके जे मन लाग्लै उसब सेह्या करल्कै।”
कथिलेत येसु आपन चेलासबके सिक्छा दैत कहल्कै, “मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ, उसब ओकरा मारतौ आ तेसर दिनमे उ फेनो जिके उठतौ।”
येसु कहल्कै, “सुन, अपनासब यरुसलेम दिसन जाइचियै। ओते मानबके बेटाके मुल पुजारी आ धरमगुरुसबके जिम्मा लगेतौ। उसब ओकरा मिरतुदन्डके लेल दोसी ठहरेतै आ आनजातसबके हाथमे सोप देतै।
जब परेरितसब येसु सङे एक ठाममे जमा भेलै तब उसब ओकरा पुछल्कै, “हे परभु, कि अहाँ इजराएल राजके पुनह-अस्थापना कैरदेबै?”
उ ओहे पथल चियै, ‘जे पथलके अहाँ मिसतिरीसब बेकार समैझके छाइटदेने छेल्ही, ओह्या पथल अखुन जगके मुल खम्हा भेल छौ।’