10 उसब यि बात मनेमे राखल्कै आ जिके उठनाइके मतलब कथी चियै से आपनेमे बतियाइले लाग्लै।
ओते इपिक्युरी आ स्तोइकी दारसनिकमेसे कुछ पावल सङे बाद-बिबाद करै। उसब कतहेक गोरा कहल्कै, “यि बर-बरहा कथी कहैछै?” औरोकोइ कहल्कै, “भैरसक यि कोनो लबका देबि-देउताके परचार करैछै!” कथिलेत पावल येसुके बारेमे आ उ मरके जि उठल छै तै बातके परचार करैछेलै।
ओकर चेलासब पहिने यि बात नै बुझल्कै। महज येसु महिमीत भेलाके बाद ओकरासबके याद एलै कि यि बात ओकरे बारेमे लिखल छेलै आ उ लोकसब यि सबकाम ओकरे लेल करल्कै कैहके बुझल्कै।
महज चेलासब यि बातके अरथ नै बुझल्कै आ ओकरसे पुछैयोले डराइछेलै।
पतरुस यि बात सुइनके ओकरा एक कातमे लज्याके हपारैले लाग्लै, “हे परभु! परमेस्वर एहेन नै हेबे, अहाँ उपर एहेन कहियो नै हेतै।”
तकरबाद उसब पहारसे निचा सैर जगहमे आबे बखत येसु ओकरासबके आग्या करल्कै, “मानबके बेटा जाबेतक मरलसे जिके नै उठतौ ताबेतक यि देखल बात ककरो नै कहिहे।”
तब चेलासब येसुके पुछल्कै, “धरमगुरुसब कथिले पहिने एलिया एतै कहैछै?”