21 तब येसु फेनो उसबके पुछल्कै, “कि तुसब अखनियोतक नै बुझैचिही?”
कथिलेत उसब पाँच हजार लोकके रोटी खियाइने छेलै से घटनाके अरथ सब बुझने नै छेलै आ उसबके हिरदय कठोर भेल छेलै।
तब येसु दिक मानैत लम्बा साँस लैत कहल्कै, “कथिले अइ पुस्ताके लोकसब चेन्हा खोजैछै? साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, अइ पुस्ताके लोकसबके कोनो चेन्हा नै देलजेतै।”
होसमे या आ आबसे पाप नै कर। कथिलेत तोरासबमेसे कतहेक गोरे परमेस्वरके नै चिनहने चिही। यि त तोरासबके लेल सरमके बात चियौ।
तोरासबके लाजमे पारैके लेल हम यि कहैचियौ। कि तोरासबके बिचमे भाइ-भैयारीके झगरा मिलाबैबला एकोटा बुधिमान लोक नै छौ से?
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “फिलिप! अतहेक दिनसे त हम तोरेसबसङे चियौ, तैयो तु हमरा नै चिन्हैचिही? जे हमरा देख्ने छै, उ पिताके देख्ने छै। तब तु कनङके कहैचिही, कि ‘हमरासबके पिताके देख्यादिय?’
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
येसु ओकरासबके मनके बात बुइझके कहल्कै, “तोरासबसङे रोटी नै छौ कैहके कथिले आपसमे बहस करैचिही? अखुनो तक तुसब अबुझेचिही? कि तोरासबके मन कठोरे छौ?
तकरबाद येसु आ ओकर चेलासब बेथसेदामे एलै। ओते लोकसब एकटा आन्हर लोकके येसु लग आनल्कै आ अकरा छुइबके निक कैरदिय कैहके ओकरसे बिन्ती करल्कै।