9 येसु फेनो उसबके कहल्कै, “तुसब आपन रितिरिबाजके लेल कतेक चलाकिसे परमेस्वरके आग्यासब इन्कार करैचिही।
हम परमेस्वरके अनुगरहके बेरथके नै ठानैचियै। यदि बेबस्था पालन कैरके हमसब परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैचियै त, खिरिस्टके मरनाइ बेरथ हेतै।
एहिनङ तुसब आपन रितिरिबाजके बचाके राखैचिही महज परमेस्वरके बचनके बेकम्मा सम्झैचिही आ एहिनङ बहुत काम तुसब करैचिही।”
कथिलेत सब यहुदीसब आ फरिसीसब आपन पिता-पुरखासे चलैत आइबरहल परम्परा अनुसार बिना हाथ धोइबके नै खाइछेलै।
बेबस्था भङ करैबला लोक आपने बरका भ्याके लोकसब परमेस्वर मानैबला सब चिजसबके आ पुजा-पाठ करैबला सब चिजके बिरोध करतै। उ त परमेस्वरके मन्दिरमे बैठके उ आपनेके परमेस्वर चियै कहतौ।
तब कि अपनासबके अहै बिस्बास दुवारा बेबस्थाके बेरथ कैरदेबै? कदापी नै! बरु हमसब बेबस्थाके साँचोके मानैचियै।
तैल्याके फरिसीसब आ धरमगुरुसब येसुके पुछल्कै, “अहाँके चेलासब कथिले पिता-पुरखाके नियममे नै चलैए, उसब त खाइसे पैहने हाथो नै धुवाबैये?”
यदि कोनो लोक आइबके हमरासबके करल येसुके परचार बाहेक दोसर येसुके परचार करतै त, तोरासबके भेटल आत्मासे दोसरे आत्मा तुसब गरहन करबिही त, या तोरासबके भेटल सुसमाचारसे कोनो दोसर सुसमाचार गरहन करबिही त, तुसब यि सबके अगा सहजे झुकैचिही।
हम आपन जातीमे आ आपन तुरियामे ओइसबसे अगा भ्याके यहुदी धरमके पालन करैछेलियै आ हमर पिता-पुरखाके परमपरासबमे एकदम जोसगर छेलियै।