21 महज एक दिन हेरोदियासके बदला लैले मौका भेटलै। जब हेरोद आपन जलम उत्सबमे बरका भोज करल्कै, उ भोजमे ओइ इलाकाके बरका-बरका पदाधिकारीसब, फौजके कप्तान आ गालिलके अगुवासब छेलै।
यि दुनु साक्छी दैबलाके मिरतु भेलाके कारन पिरथिबीके लोकसब खुसियाली मनाइतै। एक दोसरके उपहार पठाके आनन्द मनाइतै, कथिलेकी यि दुनु अगमबक्तासब पिरथिबीमे रहैबला लोकसबके बहुत दुख देने छेलै।
तुसब बितलहा दिनसबमे गैर-यहुदी जखा निरलज बेबहार करनाइ, बेबिचारमे लिन, खराब अभिलासामे लगनाइ, पिके मातल, मोज-मज्जा करैबला आ घिरनित मुरतिपुजामे परसस्त समय बिताइलिही।
रोमी महराज तिबेरियस राज करला पन्दरह बरिस भेल छेलै। ओइ बखत पन्तियस पिलातस यहुदिया इलाकाके बडा-हाकिम छेलै। हेरोद गालिल इलाकामे राज करैछेलै, ओकर भाइ फिलिप इतुरिया आ तराखोनितिस इलाकामे राज करैछेलै। अबिलेने इलाकामे लुनियास गामके लोक राज करैछेलै।
तकर दोसरदिन अगरिपास आ बरनिकी बरका धुमधामके साथ सेनापतीसब आ सहरके परमुख लोकसबसङे सभामे एलै। तब फेस्तस पावलके हाजिर करैले आदेस देल्कै।