12 तब उसब निकैलके गेलै आ लोकसबके “पस्चाताव कर आ हिरदय बदल” कैहके परचार करे लाग्लै।
ओहै बखतसे येसु परचार करैत कहेलाग्लै, “पस्चाताप कर कथिलेत स्वरगके राज नजदिक आइब गेल्छौ।”
हम यहुदीसब आ गिरिकसब पस्चाताप कैरके परमेस्वर दिसन घुमे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करे से बातके चेताइने चियै।
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्चाताव नै करबिही त ओहिनङके तोहेसब नास हेब्ही।
नियाइके दिनमे निनवेके लोकसब यि पुस्ताके लोकसबसङे ठडा होके अकरा दोस लगाइतै, कथिलेत योना परमेस्वरके सिक्छा परचार करैबखत ओतेके लोकसब पस्चाताव करने छेलै। देख, अते एक गोरा छै, उ योनासे बरका छै।
तुसब आपन आपन पाप माइनके पस्चाताप करनेचिही त, असल बेबहार कैरके देखा।
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
पहिने दमस्कस आ यरुसलेममे तब सारा यहुदिया परदेसमे आ आनजातसबके सेहो हम ज्याके परचार करलियै कि आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करु आ आपन कामसबसे हिरदय परिबरतन भेल परमान देखाबैले सिखेलियै।
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङ पस्चाताव नै करैबला निनानब्बे धरमात्मासबमेसे आपन पाप माइनके पस्चाताव करैबला एक गोरे पापीके लेल स्वरगमे बेसी खुसी हैछै।”
हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्चाताव नै करबिही त ओहिना तुहुसब नास हेब्ही।”
उ एहेन कैहके परचार करल्कै, “आब समय आइबगेल छौ आ परमेस्वरके राज नजदिक एल छौ। तै खातिर आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कर आ सुसमाचारमे बिस्बास कर।”
तकरबाद येसु जै-जै नगरसबमे सबसे बेसी अजगुतके कामसब करने रहै, तैसबके उ धिक्कारे लाग्लै, कथिलेत ओतेका लोकसब आपन पापके खातिर पस्चाताव नै करने रहै।
तुसब परभुके कहल बातके अरथ ज्याके सिख, ‘हम बैल भोग नै महज दया चाहैचियौ।’ कथिलेत हम धरमीसबके नै, महज पापीसबके बोलाइले एलचियौ।”
तब उसब बिदा भेलै आ सब गाम-गाममे ज्याके सुसमाचार परचार करल्कै आ बिमारसबके निक करल्कै।
उजार जगहमे एकटा लोक जोरसे कहैछै, “परभु आबैबला रस्ता दुरुस कर, उ चलैबला रस्तासब सोझ कर!”
येसु आपन बारहो चेलासबके यि बातके आदेस देलाके बाद ओतेसे चैलगेलै। तब उ गालिल परदेसके सहरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै आ सुसमाचार परचार करे लाग्लै।