7 तब उ जोर-जोरसे हल्ला करैत कहल्कै, “हे, महान परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँके हमरसे कोन सरोकार? अहाँ परमेस्वरके किरिया खाके कहु कि हमरा आब दुख नै देबै।”
उसब चिच्याके कहल्कै, “हे परमेस्वरके बेटा, हमरासबसे अहाँके कोन काम? कि समयसे पहिने अहाँ हमरासबके सताबैले एलचियै?”
उ पावल आ हमरासबके पछा आइबके चिच्याबे लाग्लै, “यीसब सबसे महान परमेस्वरके सेबकसब चियै। यीसब, ‘कनङ तोरौरके उदार पाबबिही’ से बात तोरौरके कहतौ।”
तोरासबके याद करैबला बात यि चियौ कि, आपन अधिकारमे नै रहैबला आ आपन रहैयोबला ठाम छोरैबला स्वरगदुतसबके समेत परमेस्वर सबदिनके लेल बाइन्हके राखनेछै। उ नियायके बरका दिनमे सजाय दैकेलेल ओइसबके पतालके अन्हारमे बाइन्हके राखनेछै।
महज येसु चुपचाप रहलै। तब फेनो परधान पुजारी सबाल करल्कै, “तु जिबित परमेस्वरके किरिया ख्याके कह, कि तु परमेस्वरके बेटा खिरिस्ट चिही त?”
तै खातिर स्वरग आ ओते रहैबलासब आनन्द मना! महज पिरथिबी आ समुन्दरमे कतहेक दुख हेतौ! कथिलेत तोरासबके बिचमे सैतान करोधके साथ उतैरके एलछौ, आ ओकर समय ओराइले लागलछै से ओकरा मालुम छै।”
महज कुछ अने-ओने घुमफिर करैबला यहुदी झार-फुक करैबलासब भुत-आत्मा लागलसबके परभु येसुके नाम लैत एहेन कहै, “पावलके परचार करल येसुके नाममे हम तोरा आग्या करैचियौ।”
येसुके देखके उ चिच्याके ओकर अगा ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे सबसे बरका परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँ हमरसे कथी चाहैचियै? हम अहाँके गोर लागैची, हमरा नै सताबु।”
जब दुस्ट आत्मा लागल लोकसब ओकरा देखै, तब ओकर अगा ठेङहुनिया द्याके चिच्याबै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै।”
तहै बखत सैतान ओकरलग आइबके कहल्कै, “साँचोके तु परमेस्वरके बेटा चिही त यि पथलसब रोटी भ्याजो कैहके आग्या कर।”
फेनो-फेनो पाप करैबलासब सैतानके लोक चियै। कथिलेत सैतान सुरुवेसे पाप करैत एलछै। अहै खातिर सैतानके काम नास करैले परमेस्वरके बेटा परगट भेलछै।
परमेस्वर त पाप करैबला स्वरगदुतोसबके बाकी नै राखल्कै, महज उसबके नरकके खाइधमे फेक देल्कै। ओइसबके नियाइके दिनतक पतालके अन्धकारमे बाइन्हके राखनेछै।
“हौ, नासरतके येसु, अहाँके हमरासबसे कोन काम? अहाँ हमरासबके बरबाद करैले एलचियै? अहाँ के चियै से हमरा थाहछै, अहाँ परमेस्वरके पठेल्हा एकटा पबितर जन चियै।”
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै, जिबित परमेस्वरके बेटा।”
मल्कीसेदेक सालोम सहरके रजा आ महान परमेस्वरके पुजारी छेलै। जखैन अबराहम रजासबके लराइमे जितके घुइमके आबैत रहै तखैन मल्कीसेदेक ओकरा भेटके आसिरबाद देल्कै।
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
उसब रस्तामे जाइते-जाइते पानी भेल ठाममे पुग्लै। उ मुन्सी कहल्कै, “देखु, अते पानी छै, आब हमरा बप्तिस्मा लैले कोन चिज रोके सक्तै?”
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
“महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै।
“हौ नासरतके येसु अहाँसे हमरासबके कोन काम? अहाँ हमरासबके बरबाद करैले एलचियै? अहाँके चियै कैहके हमरा थाहछै, अहाँ परमेस्वरसे पठेल्हा एकटा पबितर जन चियै।”
उ महान हेतै आ परमपरधानके बेटा कहाइतै। परभु परमेस्वर ओकरा ओकर पुरखा दाउदके सिंहासन देतै।
येसु चुपचापे रहलै आ कोनो सबालके जबाफ नै देल्कै। तब फेनो परधान पुजारी सबाल करल्कै, “तब कि तु परमेस्वरके बेटा खिरिस्ट चिही त?”
सान्ती दैबला परमेस्वर जल्दिए सैतानके तोरासबके टाङके तरमे मिसरेतौ। अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
जब उ येसुके दुरेसे देखल्कै तब दौरके एलै आ ओकरा गोरलगी करल्कै।
यि लोक एहेन बात कहल्कै, कथिलेत येसु ओकरा कहने रहै, “ए असुध आत्मा, ओइ लोकसे निकैल जो।”
परमेस्वर एकेटा छै कैहके तु बिस्बास करैचिही। बहौत निक! महज एहेन बिस्बास त भुतोसब करैछै आ डरसे थरथर कापैछै।