42 तब उ छौरी खुरखुराके उठलै आ चलफिर करे लाग्लै। (उ बारह बरिसके रहै।) तखुन्ते उसब आस्चरज मानल्कै।
लोकसब एकदम आस्चरजमे परलै आ कहेलाग्लै, “उ त सबकाम बहुत निकसे करैछै। उ त बैहराके सुनैबला आ बौकाके बोलैबला बनाइछै।”
तब येसु नाहमे चहरलै आ अन्हर-बिहार सान्त भेलै। तब ओकर चेलासब एकदम छक परलै।
उसब एकदमे डेरागेलै आ आपनमे कहेलाग्लै, “यि के चियै? अन्हर बिहाइर आ तालो अकर बात मानैछै।”
देखैबला सबलोक छक परलै आ आपनेमे बात करे लाग्लै, “यि केहन बचन चियै? यि केहन सक्ती आ अधिकार चियै, भुतोसबके आग्या करैछै त निकैल जाइछै।”
तब ओइ छौरीके हाथ पकैरके कहल्कै, “तालिता कुमी” जकर अरथ चियै, “ए छौरी, हम तोरा कहैचियौ, उठ।”
तकरबाद येसु ओइसबके यि बात कोइ नै थाह पाबे कैहके करा आग्या देल्कै। तब यि छौरीके कुछो खाइले दहै ओइसबके कहल्कै।