41 तब ओइ छौरीके हाथ पकैरके कहल्कै, “तालिता कुमी” जकर अरथ चियै, “ए छौरी, हम तोरा कहैचियौ, उठ।”
तब येसु ओकरलग गेलै आ ओकर हाथ पकैरके उठेल्कै। तखुन्ते जर बोखार ओकरा छोरल्कै आ उ ओकरासबके स्वागत-सत्कार करल्कै।
उ आपन सक्तीसे सब चिजके आपन अधिनमे लाबेसकैछै। ओकर यि सक्तीसे अपनासबके यि मैर जाइबला देहके ओकर आपन महिमाके देह जखा हैले परिबरतन कैरदेतै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
यि सुइनके येसुके दया लाग्लै आ ओकर उपर आपन हाथ राइखके कहल्कै, “हम चाहैचियौ, तु निक भ्याजो।”
यि बात सुइनके उसब हास्लै, तब येसु उ सबके बाहर निकालल्कै। तकरबाद छौरीके बाबु-माँ आ ओकरसङे भेल्हासबके सङे ल्याके छौरी भेल ठाममे गेलै।
तब उ छौरी खुरखुराके उठलै आ चलफिर करे लाग्लै। (उ बारह बरिसके रहै।) तखुन्ते उसब आस्चरज मानल्कै।