18 येसु जब नाहमे चरहे लाग्लै तब उ लोक जकरा भुत आत्मा लागल छेलै से ओकरा बिन्ती करल्कै, “आपनसङे हमरो ल्या चलु।”
तब लोकसब अइ इलाकासे चैलजाउ कैहके येसुके बिन्ती करे लाग्लै।
तब उ जोर-जोरसे हल्ला करैत कहल्कै, “हे, महान परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँके हमरसे कोन सरोकार? अहाँ परमेस्वरके किरिया खाके कहु कि हमरा आब दुख नै देबै।”
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तब उसब येसु लग एलै आ उसब बहुत भुत लागल लोकके मन निक भ्याके असल असल बस्तर लग्याके बैठल देखल्कै। यि देखके ओइसबके डर भ्यागेलै।
तब जेसब यि घटनाके देखने रहै, उसब भुत आत्मा लागल लोक आ सुगरसबके कथी भेल छेलै से बात कैहदेल्कै।