15 तब उसब येसु लग एलै आ उसब बहुत भुत लागल लोकके मन निक भ्याके असल असल बस्तर लग्याके बैठल देखल्कै। यि देखके ओइसबके डर भ्यागेलै।
वह्या अपनासबके अन्हारके सक्तीसे छुटकरा द्याके आपन दुलरुवा बेटाके राजमे आन्ने छै।
कथिलेत परमेस्वर अपनासबके डरके आत्मा नै महज, सक्ती, परेम आ आपनके बसमे राखैबला आत्मा देनेछै।
जब येसु नाहसे कातमे उतरलै तब सहरसे एल एकटा लोकके भेटलै, ओकरा भुत लागल छेलै। उ लोक बहुत दिन पहिनेसे बस्तर नै लगाइछेलै आ घरमे नै रैहके मरघटामे रहैछेलै।
तब येसु ओकरा पुछल्कै, “तोहर नाम कथी चियौ?” उ कहल्कै, “हमर नाम फौज चियै, कथिलेत हमरौरके बहौत चियौ।”
ओकर बहिनके नाम मरियम छेलै। उ येसुके गोर लग बैठके ओकर बचन सुनैछेलै।
येसु जब नाहमे चरहे लाग्लै तब उ लोक जकरा भुत आत्मा लागल छेलै से ओकरा बिन्ती करल्कै, “आपनसङे हमरो ल्या चलु।”
तब जेसब यि घटनाके देखने रहै, उसब भुत आत्मा लागल लोक आ सुगरसबके कथी भेल छेलै से बात कैहदेल्कै।
कथिलेत बहौत बेर ओकर टाङ-हाथ लोहाके झिझिर आ करिसे बानहल्कै, महज झिझिर तोइरके करिके खुन्डी-खुन्डी कैरके तोरदैछेलै। कोइ नै ओकरा बसमे करे सक्ने रहै।
जाबेतक पहिने बौकार लोकके नै बान्हतै ताबेतक कि ओकर घरके धन-सम्पती लुटे सक्तै? पहिने ओइ बौकार लोकके बान्हतै तब मातरे ओकर घरके धन-सम्पती लुटे सक्तै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
भुत आत्मा ओकर देहसे निकैलगेलाके बाद उ बौक लोक बाजे लाग्लै। यि देखके लोकसब आस्चरजचकित भेलै आ कहेलाग्लै कि “इजराएलमे एहेन बात कहियो नै देख्ने रहियै।”
तु कि सोचैचिही यदी हम माङने रहतियै त कि हमर पिता तुरन्त बारह पल्टनसे बेसी स्वरगदुतसब नै पठादेतियै?
यि देखके सुगर चराइबलासब डरसे भाइग गेलै आ यि बात सहर-सहर आ गाम-गाम फैलादेल्कै। तब लोकसब कथी भेल छै से देखैले सब लोकसब ओते एलै।