28 जमिनके माटी आपनेसे जलमाइछै, पहिने टुसा, तकरबाद सिंस, तकरबाद सिंसमे पुरा दाना लागैछै।
तब तुसब परभुके मनपरैबला जिबन बिताके ओकरा खुसी करैले सकबिही। सब असल काममे तुसब फल फराइत परमेस्वरके ग्यानमे बैढते जेब्ही।
हमरा पुरा बिस्बास छै कि, परमेस्वर तोरासबमे एकटा असल काम सुरु करल्कौ, वह्या येसु खिरिस्ट आबैबला दिनमे उ काम पुरा करतै।
जब गहुम पलाइलै आ ओइमे सिंस लाग्लै तब झर सेहो देखाबे लाग्लै।
आ उ सुततै तैयो, जागल रहतै तैयो उ बिया जलमबे करतै आ बढतै, महज उ कनङके बरहैछै से उ लोक नै जानैछै।
जब अन पाकैछै, तब तुरन्ते उ हसुवा लगाबे लागैछै, कथिलेत बाली काटैके समय भेलरहैछै।”