19 महज दुनियाके चिन्ता, धनके मोह आ औरो चिजके ललसा आइबके बचनके दाइब दैछै। तहैले उसब फल नै फराबैछै।
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।
तब येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, धनिक लोकके स्वरगके राजमे आबैले एकदमे कठिन हैछै।
हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसीसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै।
“तुसब आपनमे होसियार रह, बेसी भोज-भतेरके पछा नै जो, मतबालीपना आ जिन्गीके बारेमे चिन्ता करैसे होसियार रह, नै त उ दिन नै सोचलहा बखतमे चैलएतौ।
महज येसु ओकरा कहल्कै, “ए मारथा, तोहे बहुत बातसबसे चिन्ता करैचिही आ उदास रहैचिही।
यदि तोरासबमे यि गुनसब परसस्त कैरके बरहैत जेतौ त, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके ग्यानमे तुसब बहौत काम लागैबला आ फल फराइबला हेब्ही।
कथिलेत डेमास सन्सारके मोहमे फैसके हमरा छोइरदेल्कै आ थेसलोनिकेमे चैलगेलै। केरसेन्स गलातियामे आ तितस दलमातियामे गेलछै।
तोरासबके परेम भोजमे यि लोकसब कलंक चियौ। उसब दोसर गोराके वास्ता नै कैरके आपन पेट भरैके धियानमे रहैछै। उसब पानी बिनाके बादल जखाछै, जकरा हबा उराके ल्याजाइछै। उसब आपन समयमे फल नै फरैबला आ जैरसे उखैरके मरल गाछसब जखा चियै।
अखुन गाछके जैरमे कुरहाइर परे लागल छै, कथिलेत असल फल नै फरैबला सबगाछ काइटके आइगमे फेकल जेतै।
काँटके झारमे परल बिचहन उ लोक जखा चियै, जे बचन सुनैछै, महज सन्सारके चिन्ता आ धन-सम्पतीके मोह-मायासे बचनके दाइब दैछै। उ बचन ओकर जिबनमे कोनो परकारके फल नै फराबैछै।
यहिनङे कतहेक लोकसब बिया छिटल काँटके झार भ्याल जमिन जखा चियै, जे बचन सुनैछै,
अइ सन्सारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोच-बिचार परमेस्वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
ओइ बखत तुसब सन्सारके पापी लोकसब जखा चलैछेल्ही आ अकासके सक्तीके मालिक, सैतानके मानैछेल्ही। जे परमेस्वरके नै मानैबला लोकसबके अखुन आपन बसमे राखनेछै।
कथिलेत अपनासबके लराइ देह आ लहुके बिरोधमे नै महज सासकसबके बिरोध, सक्तिसबके बिरोध, अखुन्का अन्हार जुगके सन्सारिक सासकसब आ स्वरगके ठामसबमे भेल दुस्ट आत्माके सेनासबके बिरोधमे चियै।