5 ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
येसु ओकरासबके चारुदिसन ताकल्कै आ सुखलाहा हाथबलाके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारते मातर निक भ्यागेलै।
ओइसबके हिरदय कठोरताके कारन अन्हारसे झापलछै आ परमेस्वरके दैबला जिबनसे दुरछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके एकटा रहसके बात थाह हेबे कैहके चाहैचियौ। उ बात तोरासबके थाह हेतौ त तुसब आपनेके बुधिमान ठाइनके घमन्ड नै करबिही। उ रहसके बात यि चियै कि, खिरिस्टमे आबैबला गैर-यहुदीसब बिस्बास नै करैतक बहुतो इजराएलीसबके हिरदय कठोर हेतै।
तकरबाद येसु सुखलाहा हाथबलाके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार!” उ हाथ पसारल्कै आ दोसर निक्हा हाथ जखा निक भ्यागेलै।
उसब पहारसबके आ चटानसबके अनङ कहल्कै, “सिंहासनमे बैठैबलाके अगासे आ थुमाके करोधसे हमरासबके घोसारैके लेल हमरासबके उपरमे खस।
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।
परमेस्वर चालिस बरिसतक ककरसे करोध करल्कै? कि उ पाप करैबला लोकसब नै चियै, जे उजार जगहमे मरलै?
परमेस्वरके पबितर आत्माके दुखी नै बना, कथिलेत पबितर आत्मा तोरासबके छुटकाराके दिनके खातिर भेटल छाप चियौ।
तोरासबके रिसो उठतौ त, पाप नै कर। सुरुज डुगैसे पैहनैये तोरासबके रिस मैर जेबाके चाही।
महज ओइसबके मन कठोर भेलासे आइतक उ पुरन्का करारमे भेल बेबस्था परहैछै त ओइसबके बुझैबला समझ झापल रहैछै, ओहैसे उसब सत बात बुझैले नै सकैछै। आब येसु खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे उ समझ उघरैछै।
“जो, सिलोआमके पोखैरमे ज्याके मुह धुवा।” (सिलोआमके अरथ “पठेल्कै” हैछै।) उ लोक पोखैरमे ज्याके मुह धुवाइल्कै तब उ देखैबला भ्याके घुइमके एलै।
तब येसु ओकरासबके दिसन ताइकके कहल्कै, “जो, ज्याके पुजारी लग आपनेसे देखा।” तब उसब जाइते-जाइते परेम निक भ्यागेलै।
महज परभु ओकरासबके जबाफ देल्कै, “ए कपटीसब, के पबितर बिसरामके दिनमे आपन गाइ या गदहाके खुट्टासे घुरी खोइलके पानी पिआइले नै लजाइचिही से?
ओहै कारन हम उ पुस्तासे खिस्याके कहलियै, ‘ओइसबके हिरदय सबदिन हमरसे भटकैत रहैछै, उसब हमर कहल बात नै टेरैछै।’
येसु ओइसबके कहल्कै, “बिसराम दिनमे भलाइ करनाइ कि खराब करनाइ, परान बचेनाइ कि मारनाइ, कोन उचित छै?” महज उसब जबाब नै देल्कै।