27 तब ओइसबके येसु कहल्कै, “पबितर बिसराम दिन लोकके खातिर बन्याल गेलछै, लोक पबितर बिसराम दिनके खातिर नै।
अहै खातिर खान-पिन या पाबैनके दिन या अमसियाके दिन कि पबितर बिसराम दिन मानैके बिसयमे कोइ दोस लगाइछौ त, ओहेन बातसबमे धियाने नै लगा।
तब येसु कहल्कै, “हम तोरासबके एकटा बात पुछैचियौ, पबितर बिसराम दिनमे नियम कथी कहैछै? निक करबौ आ बेजाय करबौ, जिन्गी बचाइबौ कि नास करबौ, कोनटा उचित हेतौ।”
यदि मोसाके देल बेबस्था भङ नै हेबे कैहके बिसरामके दिनमे खतना करैचिही त हम बिसरामके दिनमे एकटा लोकके निक करलियौ त कथिले तुसब हमरसे खिस्याइचिही?
यि सब तोरेसबके हितके लेल भेल छै, कथिलेकी जतेक बहुत लोकसब परमेस्वरके अनुगरह पाबतै ओतेक बहुत परमेस्वरके महिमाके लेल ओकरा धन्यबाद दैबला काम हेतै।
तै खातिर मानबके बेटा पबितर बिसरामो दिनके परभु चियौ।”