15 लेबी आपन घरमे येसु आ ओकर चेलासबके भोज खाइले बोलाइल्कै। ओइ भोजमे बहुत बटी उठाइबलासब आ पापी लोकसब बैठल छेलै। (कथिलेत ओकर पछा लागैबलासब एहेन बहुत लोकसब छेलै।)
एक दिन बटी उठाइबलासब आ पापीसब जम्मे येसुके बचन सुनैले ओकर नजदिक आबैछेलै।
येसु परेरितसबसङे पहारसे निचा झैरके सैर जगहमे आइबगेलै ओइठाम औरो चेलासबके बहुत बरका भिर लागल छेलै। यहुदिया इलाकाके सब दिसरसे यरुसलेमसे तब समुन्दर कातके टुरोस आ सिदोन इलाकाके लोकसब बहुत भिरके साथ जम्मा भेल छेलै।
यदी तोरासबके परेम करैबलाके मातरे परेम करैचिही त तोरा परमेस्वरसे कोन इनाम भेटतौ? कि करो उठाइबलासब ओइहनङे नै करैछै से?
ओतेसे जाइतकाल येसु अल्फयासके बेटा लेबीके बटी उठाइबलाके अड्डामे बैठल देखके कहल्कै, “हमर पछा लाग।” लेबी उठके ओकर पछा लाग्लै।
येसुके पापीसब आ बटी उठाइबलासबसङे खाइत देखके फरिसी दलके धरमगुरुसब ओकर चेलासबके कहल्कै, “उ कथिले उसबसङे मिलके खान-पिन करैये?”