15 तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, पुतर आ पबितर आत्माके नाममे बप्तिस्मा दहै।
महज पहिने सब जातीसबमे सुसमाचार परचार हैकेचाही।
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
हमसब यि देख्ने चियै आ साक्छी दैचियै कि, परमेस्वर पिता सन्सारके मुक्ती दैबला हैकेलेल आपन बेटाके पठाइने छै।
तुसब हमरा नै चुनलिही, महज हम तोरासबके चुनलियौ। आब जो आ सबदिन रहैबला फल फराइहे कैहके हम तोरासबके चुनलियौ। तहैलेल तुसब हमर नाममे पितासे जे कुछ माङबिही उ तोरासबके देतौ।
तब येसु फेनसे ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके सान्ती मिले! जनङ पिता हमरा पठेल्कै, तहिनङ हम्हु तोरासबके पठाइचियौ।”
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसब लग अखुन परकट भेल छै ताकी उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्या पालन करे।
ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्नेछै से?” उसब साँचोके सुन्नेछै। परबितर धरमसास्तरमे एहन लिखलछै, “ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै आ ओइसबके सन्देस सन्सारके कोना-कोनातक पुगलछै।”
तब हम बिच अकासमे उरैत दोसर स्वरगदुतके देखलियै। पिरथिबीमे रहैबला हरेक जाती, कुल, भसा आ देसके लोकसबके सुनाबैले ओकरसङे अनन्त सुसमाचार छेलै।
यि सुसमाचार तोरोसबके बिचमे एलछौ आ खिरिस्टके यि सुसमाचार सन्सारके बहुतो ठामसबमे लोकसब सुइनके बिस्बास कैररहलछै आ ओइसबके जिबन परिबरतन भ्यारहलछै। तुसब परमेस्वरके अनुगरहके बारेमे सत बात सुनल आ बुझल दिनसे सुसमाचार तोरोसबमे सेहो ओहिनङे काम कैर रहलछौ।
उ आइबके परमेस्वरसे लग भेल यहुदी आ दुर रहल गैर-यहुदी दुनुके बिचमे मेलमिलाप कराइले सुसमाचार सुनाइल्कै।
येसु स्वरग जाइसे पहिने आपनेसे छानल परेरितसबके पबितर आत्माके सक्तिसे आग्या देल्कै।