11 महज जब येसु जिके उठलै आ मरियम लग देखा परलै से बात सुनल्कै तब उसब बिस्बास नै करल्कै।
महज परेरितसब ओइसबके कहलहा बातमे बिस्बास नै करल्कै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
जब उसब येसुके देखल्कै तब ओकरा गोरलागल्कै, महज ककरो-ककरो मनमे संखा भेलै।
अखन तक उसब बिस्बास करे नै सक्लै कथिलेत उसब खुसी आ आस्चरजमे छेलै। तब येसु ओइसबके कहल्कै, “कि तोरासबसङे कुछो खाइबला छौ?”
औरो चेलासब थोमाके कहल्कै, “हमसब परभुके देखलियै।” महज थोमा कहल्कै, “जबतक हम ओकर हाथमे ठोकल काटीके चेख नै देख्बौ आ कांटी ठोकल खाइधमे औङरी नै ढुकाइबै आ ओकर कोइखमे आपन हाथ नै ढुकाइबै ताबे तलिक हम बिस्बास नै करबौ।”