43 अरिमाथिया सहरके योसेफ नामके एक गोरा महासभाके सदस छेलै, जे परमेस्वरके राजके बाट ताकैत रहै। उ साहसके साथ पिलातसलग गेलै आ येसुके लहास माङल्कै।
तहै बखत ओहो मरियम आ योसेफके लग आइबके परमेस्वरके बढाइ करल्कै आ बालक येसुके बारेमे यरुसलेमके छुटकाराके लेल रस्ता देखैबला सबके सुनेल्कै।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
उ ओइसबके सल्लाहमे आ काममे येसुके मारैमे सहमत नै रहै। उ यहुदिया इलाकाके अरिमाथिया सहरके लोक छेलै। उ परमेस्वरके राजके बाट ताकैत रहै।
अहै कारन बहौत यहुदी लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। तैहनङे बहौत नाम चलल असल गिरिक जनी आ मरदसब समेत परभुमे बिस्बास करल्कै।
तकरबाद अरिमाथिया नगरके योसेफ, जे यहुदीसबके डरके कारन गुप्तमे उ येसुके चेला रहै। उ येसुके लहास लजाइले दिय कैहके बिन्ती करल्कै। तब पिलातस अनुमति देल्कै आ ओकर लहास कुरूससे निचा उताइरके ल्यागेलै।
साँझ परलाके बाद अरिमाथिया सहरके योसेफ नामके एक गोरे धनिक लोक एलै। ओहो येसुके चेला छेलै।
हम जहलमे परलाके कारन बहुतो भाइ-भैयासब परभुमे साहसी भेलछै आ परमेस्वरके बचन निडर भ्याके परचार करैले साहस पाबनेछै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
महज पतरुस दुरेसे येसुके पछा लागैत मुल पुजारीके अङनामे गेलै, तब ओते सिपाहीसब सङे बैठके उ आइग तापे लाग्लै।
तब येसु बातके ओराइत कहल्कै, “अहिनङे जे पछा छै, से अगा हेतै आ जे अगा छै से पछा हेतै।”
महज जेसब अखुन अगा छै, उ पछा हेतै आ जेसब अखुन पछा छै उसब अगा हेतै।”
येसु पहिने मर गेलछेलै से सुइनके पिलातस छक परलै। तब रोमी कप्तानके बोल्याके कहल्कै, “साच्चे येसु मर गेलछै?”
योसेफ नामके एक गोरा महासभाके सदस छेलै, उ असल आ इमान्दार लोक रहै।